95 वर्षक भेलाह एलके मिश्र

दरभंगा। सीएम कॉलेजक पूर्व प्राचार्य आ पब्लिक स्‍कूल दरभंगाक संस्‍थापक महान शिक्षाविद एलके मिश्र शुक्रदिन 95 वर्षक भ गेलाह। एहि अवसर पर बेला स्थित हुनकर आवास पर एकटा रंगारंग कार्यक्रम आयोजित भेल। एहि कार्यक्रम मे ललित नारायण मिथिला विश्‍वविद्यालय क कुलपति सहित दरभंगाक कईटा गणमान्‍य लोक शामिल भेलाह। श्री मिश्रक जन्‍मदिन पर सर्वप्रथम 95टा स्‍कूली छात्र हुनका फूलक माला पहिरेलक। कार्यक्रम क दौरान 95टा बच्‍चा मोमबत्‍ती जरा हुनकर अभिनंदन केलक। श्री मिश्र क पूरा परिवार एहि कार्यक्रम मे शामिल भेल। श्री मिश्र अपन संपूर्ण जीवन शिक्षाक विकास मे लगौने छथि। ओ आइ स 50 साल पहिने दरभंगा मे पहिल पब्लिक स्‍कूल खोली निजी विद्यालयक नींव रखनिहार छथि। दरभंगा लेल एकटा धरोहर भ चुकल श्री मिश्रक 95 वां जन्‍मदिन पर इसमाद परिवार सेहो कामना करैत अछि जे श्री मिश्रक एहिना आर बहुत रास जन्‍मदिन मनाउल जाइत रहे।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments