पटना आइआइटी लेल भेटल अतिरिक्त 900 करोड़

पटना। केंद्रक मोदी सरकार एहि बीच बिहार पर अधीन अछि। एक कए बाद एक सनेस द रहल अछि। पिछला किछु दिन पहिने गांधी सेतु लेल आ ओकर बगल मे एकटा नव सेतु लेल प्रयाप्त धन देने छल। ओहिना मंगलहदन पटना आईआईटी लेल केंद्र क मोदी सरकार पैघ सनेस देलक अछि। कैबिनेट क आजुक बैसार में आईआईटी पटना लेले 900 करोड़ क अतिरिक्त राशि देबाक निर्णय लेल गेेल अछि। एहि संबंध मे मानव संसाधन विकास मंत्री स्मृति इरानी कहलथि जे पहिने आईआईटी पटना कए मात्र 760 करोड़ भेटबाक छल, मुदा मंत्रालय कए बुझायल जे एतबा मे नीक संस्थान नहि बनि सकत ताहि लेेल एकरा बढ़ाकए 1678 करोड़ क देल गेल।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments