850 करोड़ स गैमन बनाउत पटना-मुजफ्फरपुर एनएच

पटना। बिहार मे सड़क क सुधार क लेल एनएचएआई क तरफ स गैमन कंपनी कए 850 करोड़ टका क अतिरिक्त ठेका भेटल। एहि क तहत कंपनी मुजफ्फरपुर-पटना क बीच एनएच क सुधार कए दिश मे काज करत। मालूम हुए जे एहि काज स पहिने कंपनी कए एनएच 47 सुधार कए लेल पुरस्कार सेहो देल गेल अछि। इ सड़क ओतय स बनत जतय स महात्मा गांधी सेतु लिंक रोड खत्म होइत अछि। इ महात्मा गांधी सेतु पटना आ हाजीपुर क बीच गंगा नदी पर बनाउल गेल छल। एकर निर्माण गैमन केने छल। आई इ महात्मा गांधी सेतु मरणासन्न स्थिति मे पहुंच गेल अछि। आशा अछि जे प्रस्तावित सड़क क गुणवत्ता मे एहि बेर गैमन इंडिया कोनो समझौता नहि करत आ बिहार क एकटा उच्च गुणवत्ता वाला फोरलेन सड़क बना कए सौंपत।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments