63 आइपीएस समेत 99टा पुलिस अफसर क बदली

जाहि जिला मे नव पुलिस कप्‍तान

1. पटना 2. मुजफ्फरपुर 3. भागलपुर (सिटी सपी) 4. खगड़िया 5. पूर्णिया 6.जमुई 7. मोतिहारी 8. भोजपुर 9.नवादा 10. अररिया 11. शिवहर 12. सुपौल 13. अरवल 14. दरभंगा 15. कैमूर 16.समस्तीपुर 17.जहानाबाद 18. लखीसराय 19.किशनगंज 20.रोहतास 21. सहरसा 22. बेगूसराय 23 गया 24. कटिहार 25.मुंगेर 26 वैशाली 27.बगहा 28.नौगछिया

———————–

पटना। राज्य सरकार पुलिस प्रशासन मे व्यापक फेरबदल करैत 99टा पुलिस अफसर क बदली करि देलक अछि। एहि मे 63टा भारतीय पुलिस सेवा (आइपीएस) क अधिकारी छथि। पटना क एसएसपी सहित जाहि 10टा पुलिस अफसर कए हाल मे प्रोन्नति दकए डीआईजी बनाउल गेल छल हुनका सेहो पदस्थापित करि देल गेल अछि। एडीजी मे प्रोन्नत एसके भारद्वाज आ एके सेठ कए सेहो पदस्थापित कैल गेल अछि, जखकि दूटा अधिकारी कए आईजी मे प्रोन्नति देल गेल अछि।
जारी अधिसूचना क मुताबिक पीके ठाकुर कए एडीजी विजिलेंस ब्यूरो, सीआईडी क एडीजी राजवघ्र्द्धन शर्मा आब एडीजी (मुख्यालय), पटना क एसएसपी बच्चू सिंह मीणा मुजफ्फरपुर क डीआईजी, जमालपुर क रेल एसपी आलोक कुमार पटना क एसएसपी, पटना क सिटी एसपी मनु महाराज रोहतास क एसपी, एएसपी (जमालपुर) लांडे शिवदीप वामन राव पटना क नया सिटी एसपी भ गेलाह।

एडीजी स्तर क स्थानांतरित अधिकारी

पीके ठाकुर (एडीजी, पुलिस मुख्यालय) आब एडीजी विजिलेंस ब्यूरो, एडीजी सीआईडी राजवर्द्धन शर्मा एडीजी (मुख्यालय), आईजी रेल एसके भारद्वाज आब एडीजी रेल , एडीजी रेल शफी अहमद महानिदेशक (राज्य मानवाधिकार आयोग) सह अपर नागरिक सुरक्षा आयुक्त, विशेष शाखा के एडीजी एएस निम्ब्रान एडीजी सीआईडी क अतिरिक्त प्रभार, आईजी राज्य खेलकूद प्राधिकरण कए प्राधिकरण मे एडीजी बना देल गेल अछि।

आईजी स्तर

आईजी पुलिस मुख्यालय राजेश रंजन कए आईजी पुलिस आधुनिकीकरण, पदस्थापना क प्रतीक्षा मे बैसल आरके मिश्रा कए आईजी दरभंगा, आईजी बीएमपी अरविंद पांडेय कए आईजी (सीआईडी, कमजोर वर्ग), विनय कुमार कए आईजी दरभंगा स आईजी रेल, रघुवंश प्रसाद यादव कए आईजी आंतरिक सुरक्षा स आईजी तकनीकी सेवा, डीआईजी जेएस गंगवार कए आईजी मुख्यालय आ गया क डीआईजी जितेंद्र कुमार कए आईजी बीएमपी क पद देल गेल।

डीआईजी आ एसपी स्तर

डीआईजी सीआईडी उमेश कुमार कए डीआईजी गया, डीआईजी मुजफ्फरपुर पंकज दराद कए डीआईजी बेतिया , भागलपुर क डीआईजी शैलेश कुमार सिंह कए डीआईजी मुजफ्फरपुर, डीआईजी दरभंगा बलदेव प्रसाद कए डीआईजी सीआईडी, बेतिया क डीआईजी अनुपम एस निलेकर कए डीआईजी कार्मिक, शाहरुख मजीद (डीआईजी मुंगेर) कए डीआईजी तकनीकी सेवा आ संचार, डीआईजी सारण सुनील कुमार सिन्हा कए डीआईजी बीएमपी केंद्रीय मंडल, कोसी क्षेत्र (सहरसा) क डीआईजी एसएन झा कए डीआईजी सहकारिता कोषांग, एसएसपी मुजफ्फरपुर सुनील कुमार कए सारण क डीआईजी, एसपी सिक्यूरिटी अमित कुमार जैन कए डीआईजी भागलपुर, एसपी खगड़िया सुधांशु कुमार कए डीआईजी (कोसी क्षेत्र, सहरसा), पूर्णिया क एसपी नैयर हसनैन खां कए डीआईजी दरभंगा, पटना क एसएसपी बच्चू सिंह मीणा कए डीआईजी तिरहुत प्रक्षेत्र (मुजफ्फरपुर), जमुई क एसपी कमल किशोर सिंह कए डीआईजी डकैती निरोध शाखा, सीआईडी एसपी मोतिहारी पारसनाथ कए डीआईजी विशेष शाखा, एसपी भोजपुर अनिल किशोर यादव कए डीआईजी मुंगेर, नवादा क एसपी गंधेश्वर प्रसाद सिंह कए डीआईजी स्टेट क्राइम रिकार्ड ब्यूरो, समादेष्टा बीएमपी डुमरांव अशोक कुमार सिंह कए डीआईजी विद्युत निगरानी कोषांग, बीएमपी-8 क समादेष्टा कपिलेश्वर मांझी कए पुलिस अधीक्षक राज्य अभिलेख ब्यूरो बनाउल गेल अछि। एसपी अररिया विनोद कुमार असम क लेल विरमित भ गेलाह।

जमालपुर क रेल एसएसपी आलोक कए वरीय आरक्षी अधीक्षक पटना, एसपी शिवहर विनोद कुमार कए एसपी राज्य मानवाधिकार आयोग, गया क एसएसपी अमित लोढ़ा कए एसपी पूर्णिया, एसपी सुपौल नागेंद्र प्रसाद सिंह कए समादेष्टा बीएमपी-4, अवधेश कुमार शर्मा (एसपी रेल, मुजफ्फरपुर) कए एसपी आर्थिक अपराध सह साइबर क्राइम, रामनारायण सिंह प्राचार्य (सीटीएस, नाथनगर) कए एसपी जमुई, एसपी निगरानी विमल कुमार कए एसपी अरवल क पद पर बदली भेल अछि।

अधिसूचना के मुताबिक दरभंगा क एसएसपी एमआर नायक कए एसपी भोजपुर, बीएमपी-16 क समादेष्टा उमाशंकर सुधांशु कए एसपी कैमूर, एसपी कैमूर प्रदीप कुमार श्रीवास्तव कए एसपी स्पेशल ब्रांच, एसपी समस्तीपुर अनवर हुसैन कए एसपी विशेष शाखा, एसपी अपराध अभिलेख ब्यूरो सतीश कुमार कए कमांडेंट बीएमपी-8,  जहानाबाद क एसपी गणेश कुमार कए एसपी मोतिहारी, चौरसिया चंद्रशेखर आजाद (एसपी, आर्थिक अपराध आ साइबर क्राइम) कए एसपी लखीसराय, लखीसराय क एसपी आरके मिश्रा कए एसपी किशनगंज, एसपी रोहतास विकास वैभव कए एसएसपी दरभंगा, एसपी सहरसा राजेश कुमार कए एसएसपी मुजफ्फरपुर, एसपी बेगूसराय विनय कुमार कए एसएसपी गया, पटना क सिटी एसपी मनु महराज कए एसपी रोहतास, एसपी कटिहार पी. कन्नन कए एसपी मुंगेर , एसपी मुंगेर सुनील नायक पदस्थापना क प्रतीक्षा मे छथि।

पटना क ग्रामीण एसपी क्षत्रनील सिंह कए एसपी बेगूसराय, एआईजी गरिमा मल्लिक कए एसपी अररिया, वैशाली एसपी सुजीत कुमार कए एसपी कटिहार, किशनगंज क एसपी पंकज कुमार राज कए एसपी नवादा, बगहा क एसपी सिद्धार्थ मोहन जैन कए एसपी वैशाली, एसपी (बी) स्पेशल ब्रांच अनसूईया रण सिंह कए कमांडेंट (महिला बटालियन), एस प्रेमलता (एसपी रेल, कटिहार) कए एसपी रेल जमालपुर, लांडे शिवदीप वामन राव (एएसपी, जमालपुर) कए सिटी एसपी पटना, सिटी एसपी गया दलजीत सिंह कए एसपी समस्तीपुर, एसपी नौगछिया विवेक कुमार कए एसपी ग्रामीण पटना क पद पर स्थानांतरित कैल गेल अछि। चंद्रिका प्रसाद समादेष्टा, बीएमपी-1 कए एसपी जहानाबाद, विनोद कुमार-2 एसपी अरवल कए एसपी सुपौल, मिट्ठू प्रसाद एसपी सहकारिता कोषांग कए एसपी खगड़िया, मो.रहमान सिटी एसपी भागलपुर कए एसपी सहरसा, एसपी एसटीएफ पीके सिन्हा कए एसपी शिवहर, सुरेश प्रसाद चौधरी (समादेष्टा बीएमपी-5) कए पुलिस अधीक्षक (रेल, पटना), पुलिस अधीक्षक विद्युत निगरानी कोषांग शकुन पासवान कए एसपी रेल कटिहार आ अनिल कुमार सिटी एसपी मुजफ्फरपुर कए एसपी बगहा बनाउल गेल अछि।

अधिसूचना क अनुसार डीएसपी मुख्यालय (मधुबनी) उपेंद्र प्रसाद सिंह कए सिटी एसपी मुजफ्फरपुर, विजय कुमार वर्मा एसडीपीओ मसौढ़ी कए सिटी एसपी भागलपुर, एसपी विशेष शाखा कुमार ऐक्ले कए सिटी एसपी दरभंगा, विजिलेंस ब्यूरो क पुलिस अधीक्षक रत्नमणि संजय कए सिटी एसपी गया, डीएसपी मुख्यालय (औरंगाबाद) मो.अख्तर हुसैन कए एसपी एसटीएफ, डीएसपी मुख्यालय (सहरसा) धीरज कुमार कए एसपी नौगछिया, एसडीपीओ फारबिसगंज शिवकुमार झा कए एसपी रेल मुजफ्फरपुर, एसडीपीओ मोहनिया पंकज सिन्हा कए कमांडेंट बीएमपी-16, एसडीपीओ बलिया आनंद कुमार सिंह कए कमांडेंट बीएमपी-1, एसडीपीओ सहरसा श्रीधर मंडल कए कमांडेंट बीएमपी-15, एसडीपीओ पटना सिटी ललन मोहन प्रसाद कए कमांडेंट-बीएमपी-5, डीएसपी प्रशासन (पटना) सुनील कुमार कए एआईजी क्यू, डीएसपी मुख्यालय (गया) सुधीर कुमार सिंह कए एसपी एसटीएफ, शेखर कुमार डीएसपी निगरानी ब्यूरो कए समादेष्टा बिहार गृह रक्षा वाहिनी, डीएसपी प्रशासन राजेश त्रिपाठी कए कमांडेंट एमएमपी आरा, एसपी निगरानी ब्यूरो प्रकाश नाथ मिश्रा कए बीएमपी-10 क कमांडेंट, पुलिस उपाधीक्षक भागलपुर डा. परवेज अख्तर कए एसपी निगरानी ब्यूरो, राजीव रंजन (एसडीपीओ, कटिहार) कए कटिहार क एएसपी, उमाशंकर प्रसाद (एसपी, अपराध अनुसंधान विभाग) कए स्टाफ आफिसर प्रक्षेत्रीय महानिरीक्षक कार्यालय मुजफ्फरपुर, एसडीपीओ पुपरी मो. शफीउल हक कए एएसपी गया, बिहार पुलिस अकादमी क डीएसपी अमर कुमार सिंह कए एएसपी रोहतास, डीएसपी सीटीएस नाथनगर कए प्राचार्य सीटीएस नाथनगर, मो. हसनैन (डीएसपी सीआईडी) कए एएसपी सीतामढ़ी, विनोद कुमार-3 (डीएसपी पुलिस मुख्यालय) कए एएसपी पूर्णिया आ अभय कुमार लाल (पुलिस उपाधीक्षक अपराध अनुसंधान विभाग) कए एएसपी (बिहार पुलिस अकादमी) बनाउल गेल अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments