स्थापना दिवस पर छहटा नव संयंत्र शुरु केलक कॉम्फेड

समदिया
पटना । कॉम्फेड क 35म स्थापना दिवस समारोह क उद्घाटन करैत मुख्यमंत्री नीतीश कुमार कुल 6 टा नव संयत्र क शुभारंभ केलथि।
पटना क बापू सभागार मे आयोजित कार्यक्रम मे डिप्टी सीएम सुशील मोदी, मंत्री पशुपति पारस, सहकारिता मंत्री राणा रणधीर सिंह क अलावा बिहार भरि स आयल सहकारिता क सदस्य उपस्थित रहथि।
कार्यक्रम क उद्घाटन करैत नीतीश कुमार कहला जे पिछला जे किछु साल मे कॉम्फेड अच्छी सफलता हासिल केलक अछि। सहकारिता क क्षेत्र मे महिला क भागीदारी आओर बढ़ेबा पर जोर देलथि। ओ कहला जे एहि क्षेत्र मे महिलाक आगू एबाक आओर जरुरत अछि ताकि ताकि सहकारिता क क्षेत्र मे हिनकर सहभागिता बढि़ सकए।
ओ कहला जे जखन हम बिहार क कमान सम्हारने रही त बिहार मे दूध क संग्रहण क क्षमता चारि लाख लीटर छल मुदा आब इ बढि कए 21 लाख लीटर भ चुकल अछि।  एहि मौका पर नीतीश कुमार सरकार दिस स सुधा दाना पर 2 टकाक  अनुदान देबाक घोषण केलथि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments