पहिल चरण मे बिहार क 10 जिला क 550 गाम मे आयल सौर उर्जा

0
170

पटना । विकसित बिहार दिस बढ़ैत बिहार क 10 जिलाक 550टा गाम पहिल चरण मे सौर उर्जा से जगमगाओत । बिहार क वैशाली, मधेपुरा, पुर्णिया, खगड़िया, दरभंगा, गोपालगंज, सीवान, सारण, बेगुसराय, समस्‍तीपुर जिला पहिल फेज़ मे सोलर इलेक्‍ट्रि‍फिकेशनक काज लगभग भए गेल अछि ।

दिल्‍ली क कंपनी युनीलाइन क एहि क ठेका भेटल अछि जे अपन काज बखूबी स कए रहल अछि । एहि संबंध मे बात करैत युनीलाइन क एमडी श्री आर के बंसल कहलाह जे युनीलाइन कए बिहार सरकार दिस स एहि 550 गाम मे सोलर इलेक्‍ट्रीफिकेशनक काज भेटल अछि । कंपनी क काज लगभग पुरा भए गेल अछि । कंपनी एहि इलेक्‍टीफिकेशन क वांरटी सेहो दैत ।

ज्ञात होए जे सब्‍सीडी पर सोलर युनिट लगेबाक बिहार सरकारक ई योजना अछि । बिहार सरकार काफी कम कीमत पर सोलर पैनल लेल आवेदन मांगने छल आ भारी संख्‍या मे एहि लेल आवेदन सेहो आएल छल । आब योजना मूर्त रूप लए रहल अछि ।

Comments

comments