55 साल बाद फेर शुरु होएत दरभंगा आ कोलकाताक बीच विमान सेवा, इंडिगो क रहल तैयारी

0
273

समदिया
पटना । देशक प्रसिद्ध विमानन कंपनी स्पाइस जेट क बाद आब इंडिगो सेहो दरभंगा स सेवा शरु करबाक योजना बना रहल अछि। सबकिछु ठीक रहल त एहि साल दुर्गा पूजा स पहिने दरभंगा आ कोलकाताक बीच 55 साल बाद एक बेर फेर विमान सेवा शुरु भ जायत। उल्‍लेखनीय अछि जे 1950 स 1963 धरि दरभंगा आ कोलकाताक बीच सप्‍ताहिक विमानसेवा उपलब्‍ध छल। 1963 मे दरभंगा एयरपोर्ट वायुसेना कए सौंप देल गेल आ इ सेवा बंद भ गेल।
मोदी सरकार अपने महत्‍वाकांक्षी योजना उडान शुरु केलक त दरभंगा एयरबेस पर सिविल सेवा शुरु हेबाक उम्‍मीद जगल। पिछला दिन विमानन कंपनी स्पाइस जेट दरभंगा मे प्रेस कांफ्रेंस क सूचित केलक जे दरभंगा स तीन महानगर मुंबई, दिल्ली आ बंगलुरू लेल हवाई सेवा एक अगस्‍त स शुरु भ जायत। टिकट क बुकिंग 1 मई स शुरू हेबाक गप कहल गेल अछि। ओना कंपनी सूत्रक कहब अछि जे तारीखक घोषणा एयरपोर्ट पर चलि रहल निर्माण कार्य पर निर्भर करैत अछि। अगर निर्माण कार्य समयपूर्व पूरा भ गेल त कंपनी घोषित तिथि स पहिने सेहो सेवा शुरु क सकैत अछि।
उड़ान योजना क तहत दरभंगा मे अगस्त स शुरु भ रहल हवाई सेवा क सूचना स देशक अन्‍य विमानन कंपनीक रुचि सेहो दरभंगा लेल जगल अछि। स्‍पाइसजेट संग दरभंगा लेल निविदा भरनिहार इंडिगो प्रबंधन एक बेर फेर दरभंगा लेल योजना तैयार क रहल अछि।

एहि गपक जानकारी दैत जदयू क राष्ट्रीय महासचिव संजय झा कहला अछि जे इंडिगो एयरलाइंस क प्रमुख वाणिज्य प्रबंधक बिलियम बोल्टर हुनका एहि योजनाक संदर्भ में जानकारी देलथि अछि। संजय झा कहला जे बिलियम बोल्‍टर दरभंगा लेल गंभीर छथि। दरभंगा स संभावना कए देखैत कंपनी एहि ठाम स प्रमुख शहर लेल हवाई सेवा शुरू करबा लेल तैयारी क रहल अछि। कंपनीक प्रस्‍ताव शीघ्र सरकार लग पढाउल जाएत। कंपनी सूत्र स भेटल जानकारीक अनुसार कंपनी बिहार क दरभंगा शहर स दरभंगा- पटना -दिल्ली, दरभंगा-कोलकाता-हैदराबाद, दरभंगा-कोलकाता-चेन्नई, दरभंगा-पटना-मुंबई और दरभंगा-दिल्‍ली-पुणे लेल हवाई सेवा शुरू करत। श्री झा कहला जे जल्द हि इंडिगो कंपनी क अधिकारी दरभंगा जा हवाई सेवा लेल तैयार भ रहल सुविधा क जायजा लेताह। सबकिछु ठीक रहल त एहि साल दुर्गा पूजा तक दरभंगा आ कोलकाताक बीच 55 साल बाद हवाई सेवा एक बेर फेर शुरु भ जायत।

Comments

comments