सरकारी स्कूल से पकड़ायल 4600 बोतल शराब

मधुबनी । जिला क राजनगर थाना पुलिस के शराब तस्करी क भंडाफोड़ करबा में बड़का सफलता भेटलैक अछि। पुलिस के थाना क्षेत्र के एकम्मा गाँव अवस्थित शिशुपाल प्लस टू उच्च विद्यालय क एक भवन से प्रर्याप्त मात्रा मे शराब  बरामद भेल अछि। एहि घृणित व्यवसाय में लिप्त विद्यालय के प्रधानाध्यापक आ एक अन्य तस्कर धरेला अछि।
पर्याप्त जानकारी के अनुसार राजनगर पुलिस के  गुप्त सूचना भेटलैक जे शिशुपाल उच्च विद्यालय में शराब क खेप आयल अछि। तत्काल ई सूचना उच्चाधिकारी सब के देल गेल। निर्देशानुसार तुरंते खजौली इंस्पेक्टर श्री शिव कुमार के नेतृत्व में टीम गठित कयल गेल जाहि मे राजनगर थानाध्यक्ष रूपक रंजन, खजौली, थानाध्यक्ष उमेश सिंह आ राजनगर थाना क जवान शामिल कयल गेलाह।
विद्यालय भवन के एक कोठली के ताला जान पुलिस तोड़लक त ओहि में हरियाणा निर्मित शराब क ४६९१ बोतल  कुल १३४५ लीटर शराब बरामद भेल। शराब तस्कर ,एकम्मा निवासी, राम अधीन राय आ प्रधानाध्यापक, बाबूबरही निवासी मो साबिर गिरफ्तार भेला , अन्य तस्कर सबहक गिरफ्तारी लेल छापामारी कयल जा रहल अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments