समस्तीपुर पुलिस लाइन से चारि हजार कारतूस गायब

देशक सुरक्षा पर बट्टा लागि रहल अछि । समस्‍तीपुरक पुलिस लाईन स 4 हजार कारतूस गायब भए गेल अछि । ई कतय गेल, कतय बिकायल ई अखन जांच क विषय अछि । मुदा सवाल ओतबे जे देशक पुलिस लग स चोरी भए जाएत त आम आदमी कोना सुरक्षित रहत ।

समस्तीपुर। शहर-कस्बों दूधपुरा अवस्थित पुलिस लाइन के शस्त्रागार से हजारो कारतूस गायब होयबाक सनसनी मुख्यत समाचार प्रकाशित में आयल अछि जे वर्ष २०१५ से २०१७ क निर्गत पंजी क जाँच क क्रम मे पकड़ायल अछि। एहि मे कार्रवाइन क मैगजीन,इंसास सहित अन्य गोली का हिसाब में अंतर पाओल गेल अछि। दलसिंहसराय डी एस पी श्री कुंदन कुमार के नेतृत्व में गठित तीन सदस्यीय समिति एंकर जाँच करत। पंजी के जाँच टीम में मुख्यालय डी एस पी विजय कुमार सिंह, सर्किल इंस्पेक्टर राम नरेश पासवान सम्मिलित छलाह। एस पी दीपक रंजन मुफ्फसिल थानाध्यक्ष के एफ आई आर दर्ज करैत कार्रवाई करबाक निर्देश देल अछि जाहि मे मेजर सहित ११ गोटे के नाम अछि।
दर्ज मामला में सेवानिवृत्त सूबेदार भोला प्रसाद चौधरी , देवनंदन दास, सूबेदार राजेंद्र गिरी, हवलदार बच्चनदेव श्रीवास्तव,ए एस आई, उमाशंकर सिंह, सिपाही आशीष आनन्द, संजय शर्मा,‌ रमाशंकर सिंह, हवलदार विजय गिरी, पूर्व सार्जेंट मेजर सहित १२ गोटे आरोपित छथि। जाँच रिपोर्ट में पूर्व सूबेदार भोला चौधरी, देवनन्दन दास, राजेंद्र गिरी, उमाशंकर सिंह, आशीष आनन्द पर सीधे गवन आ हेराफेरी की आरोप अछि।
प्राप्त जानकारी अनुसार डी आई जी के रेंज टीम के निरीक्षण के बाद शस्त्रागार के जांँच क ादेश देल गेल जकर आलोक मे एस पी दर्शाया कयल गेल जाँच मे ९ एम एम क३८१७ गोली कम छल।०.३०३ क ११० गोली,७.७२ एम एम एंकर्स ३९ क ४९ गोली आ  ५.५६ एम एम के २६ गोली कम छल। डी एस पी कुंदन कुमार आशंका जतौलनि जे जाँच में गायब गोली का संख्या बढ़िया सकैत अछि।
एक अन्य प्राप्त सूचनानुसार पटना पुलिस क शस्त्रागार से कतेको हथियार गायब अछि।ने हथियार क हिसाब  क मिलान भ रहल अछि आने अधिकारी कोनो उचित उत्तर द रहल छथि। विहार के अन्य जिला पुलिस लाइन में सेहो इयैह हाल अछि।गायब हथियार मे बोल्ट एक्शन क सात राइफल,कतेबो किछु राइफल,पेन पिस्टल गायब अछि, गिनती पूरा नहि भेल अछि।
डी जी पी श्री के एस द्विवेदी क आदेश क बाद जांच शुरू भेल, पटना पुलिस लाइन के जाँच अन्तिम चरण में अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments