बिहार मे खुलत नीरा प्रोसेसिंग क चारि टा कारखाना

पटना । बिहार क उद्योग मंत्री जय कुमार सिंह शुक्रदिन कहलथि जे आगामी 15 अप्रैल से प्रदेश मे चारि टा कारखाना से नीरा क उत्पादन शुरू कए दैल जाएत । बिहार विधान परिषद मे वित्तीय वर्ष 2017-18 क लेल उद्योग विभाग क 843.26 करोड़ रुपये क बजटीय मांग पर सरकार दिस से जवाब दैत विभागीय मंत्री श्री जय कुमार सिंह ई गप कहला ।

ओ कहला जे हाजीपुर, भागलपुर, नालंदा अओर गया मे एहि कारखाना दिस स नीरा क उत्पादन शुरू कए देल जाएत आओर ई अपना आप मे देश मे रोल मॉडल साबित होएत। श्री सिंह कहला जे एहि कारखाना मे ट्रायल जारी अछि आओर एकर उद्घाटन मुख्यमंत्री नीतीश कुमार क हाथ स कराओल जाएत ।

उल्लेखनीय अछि जे पिछला साल अप्रैल महीना मे प्रदेश में पूर्ण शराबबंदी लागू हेबाक बाद राज्य सरकार दिस से प्रदेश मे ताड़ क उत्पाद ताड़ी क स्थान पर नीरा सहित आन उत्पाद क उत्पादन शुरू कैल जेबाक क घोषणा कैल गैल छल ।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments