35 दिन बनल 1200 मीटर लंबा बांसक पुल

सहरसा । कोसी नदी पर इ पुल सबस सुंदर अछि। सबस मजबूत अछि आ सबसे पैघ गप ईमानदारी स बनल अछि। 1575 टा मजदूर 35 दिन काज क करीब 1200 मीटर लंबा इ स्‍वाभिमानी पुल तैयार कलक अछि। हम सब जनैत छी दो पाटन के बीच..अर्थात दूटा तटबंधक बीच बसल गामक पहुंच पथ कईटा नदीक धार स गुजरैत अछि। एहि धार पर पुल बनेबाक मांग सरकार स होइत रहल अछि। ज्ञापन लिखइत रहल आ धरना पर लोक बैसैत रहल, मुदा भेल किछु नहि। सिमरी -बख्तियारपुर में पूर्वी कोसी तटबंध क भीतर डेंगहारी घाट आ करूडूंमर घाटक बीच करीब 1200 मीटर लंबा इ पुल जनताक सहयोग स बनल अछि। मुखिया सेंचुरी यादव क कहब अछि जे बांसक इ पुल कुल आठ लाख टका खर्च क बनल अछि। 4.50 तीटर चाडा एहि पुल कए बनेबा लेल किछु श्रमदान सेहो भेल अछि। निश्चित रूप स इ पुल एक नव बाट खोलि देलक अछि। इ बाट समाज कए सरकारक मुंह तकबा लेल मजबूर नहि करैत अछि। इ बाट विकासक ओ बाट छी जे समाज कए गरीबी से अमीरी दिस ल जायत।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments

कोई जवाब दें

Please enter your comment!
Please enter your name here