पटना । मानव संसाधन विकास विभाग 35टा संस्कृत विद्यालय कए मान्यता प्रदान कए देलक अछि। एकटा कए बिना शर्त आ 34टा कए सशर्त मंजूरी देल गेल अछि। एहि 34टा विद्यालय कए तीन मासक भीतर मापदंड कए पूरा करबाक अछि अन्यथा मंजूरी नहि देल जाएत। संस्कृत शिक्षा बोर्ड 43टा विद्यालय कए मान्यता प्रदान करबा लेल सिफारिश केने छल। मान्यता भेटलाक बाद आब एहि विद्यालय कए विभाग द्वारा अनुदान देल जाएत। एहि अनुदान कए शिक्षक आ शिक्षकेतर कर्मी मे बांटल जा सकत।
बोर्ड क अध्यक्ष सिद्धेश्वर प्रसाद 300 विद्यालय क सूची विभाग कए पठेने छलाह। जाहि मे स 257 टा कए बोर्ड सशर्त आ 43 कए बिना शर्त मंजूरी देने छल। संस्कृत विद्यालय क अनुदान लेल 18 करोड़ टका क स्वीकृति पहिने भेट चुकल अछि। बांका जिला क बेलहर क सौताडी स्थित जग सैनी श्यामानंद विद्यालय कए बिना शर्त मंजूरी देल गेल अछि। जखन कि बांका क तिलक नगर क बाल बम सिया जानकी वि. आ बलदेव भगत वि. साहेबगंज, मधुबनी क राम प्रकाश वि. लखनौर, मुंगेर क बालिका वि. लौढ़िया, समस्तीपुर क मनुकिया साहू वि., शिव बालक राय वि. मलिकौर, दयाल संस्कृत वि. रामचंद्रपुर, रामजी झा वि.नाजिरपुर आ कपिलेश्वर मिश्र वनवारी भारती वि, सहरसा क संत कबीर महंथ नारायण वि. भद्दी दुर्गापुर, कन्या वि. पूर्वी सत्तर कटैयाव अनुग्रह बालिका वि. तेलह नहिषि, दरभंगा क रासबिहारी दास वि. गंगौली बरहा, जमुई क लक्ष्मी नारायण पं. राजहंस वि. पांडेडीह, नवादा क गायत्री सुगिया बलराम वि. विशुनपुर, रामकृष्ण यादव वि. सीतामढ़ी, अरवल क सोनभद्र सूर्यपुर वि., महर्षि सहजानंद वि. राजखरसा कलेर, औरंगाबाद क आदर्श वि. सिंहरी, एसके दीक्षित वि. बडौखर, चाणपट्ट वि. प्रतिकुर, सुकवारी देवी वि. पुरहारा, आर सिंह वि. हेवसपुर, पंडित ब्रह्मदेव पांडेय वि. वधोई, धनीदार वि. व सप्तचंडी वि. रायपुरा, गोपालगंज क मुलन राय वि. कुचाईकोट, विष्णु वि. सासामुसा लागी आश्रम, साधु शरण वि. हथुआ, ज. गुरु शंकराचार्य सूर वि. घनौती आ 108 बाबा क्षेमकरण दास वि. अमेया कए सशर्त मंजूरी भेटल अछि।
Comments are closed.
bar nik khar ..
dhanbad
Maithili songs download
नीक बात ।
पर जरूरति अछि प्रोफेसनल कॉलेज आ स्कूल सभक ।