34,540 सहायक शिक्षक क नियुक्ति एक सप्ताह मे

पटना । मानव संसाधन विकास विभाग क प्रधान सचिव अंजनी कुमार सिंह घोषणा केलथि अछि जे सर्वाेच्च न्यायालय क आदेश क अनुपालन मे 34,540 प्रशिक्षित सहायक शिक्षक क सरकारी वेतनमान मे एक सप्ताह मे नियुक्ति करि देल जाएत। ओ कहला जे प्राप्तांक क आधार पर अप्रशिक्षित शिक्षक क नियोजन मे गड़बड़ी क चलते दोसर चरण क नियोजन पर रोक लगाउल गेल छल। ओना भविष्य मे शिक्षक क नियोजन स्क्रीनिंग परीक्षा क आधार पर कैल जाएत। सिंह घोषणा करैत कहला जे प्रशिक्षित शिक्षक क लेल सरकार क कल्पना स बहुत बेसी 1.22 लाख आवेदन भेटल, मुदा कर्मचारी चयन आयोग कंप्यूटराइज्ड तरीका स ओकर स्क्रूटिनी करि रहल अछि। सबटा आवेदक स तीन आप्शन मांगल गेल अछि, कंप्यूटर ओकरा जिलावार बांट देत आ ओकर अनुरूप पोस्टिंग करि देल जाएत। प्रधान सचिव साफ केलथि जे पद कए बांटबाक काज काफी हद तक पूरा भ गेल अछि आ एक सप्ताह मे सहायक शिक्षक क नियुक्ति करि देल जाएत। एहि शिक्षक सब कए प्राथमिकता क तौर पर उत्क्रमित मध्य विद्यालय मे तैनात कैल जाएत, जे शिक्षक क कमी झेल रहल अछि। ओ कहला जे विकलांग आ महिला कए पोस्टिंग मे प्राथमिकता देल जाएत। प्रधान सचिव कहला ले आगू सेहो पैघ पैमाना पर प्राथमिक शिक्षक क नियोजन होएत। लिहाजा आब जे नियुक्ति होएत ओ प्राप्तांक क आधार पर नहि वरन नेट क तर्ज पर स्क्रीनिंग परीक्षा क माध्यम स होएत। ओ कहला जे सूबा मे शिक्षक प्रशिक्षण संस्था क कमी कए देखैत अंगीभूत कॉलेज मे अगिला सत्र स बीएड क पढ़ाई शुरू कराउल जाएत।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments