30 करोड़ डॉलर स बनत बिहार मे सडक

नई दिल्ली । एशियाई विकास बैंक (एडीबी) बिहार मे सड़क क विकास क लेल 30 करोड़ डॉलर क कर्ज मुहैया करौलक अछि। संगहि एडीबी बिहार आ महाराष्ट्र मे बागवानी उद्योग क आधुनिकीकरण क लेल सेहो 17 करोड़ डॉलर क कर्ज देलक अछि। एडीबी क निदेशक मंडल एहि दूनू योजना कए मंजूरी द देलक अछि। एडीबी बिहार राज्य राजमार्ग क दूटा परियोजना क लेल 30 करोड़ डॉलर क कर्ज देत। एहि परियोजना क तहत राज्य क 356 किलोमीटर राजमार्ग क उन्नयन कैल जाएत। एकरस लेल लक्षित राजमार्ग क उन्नयन करि दू लेन क कैल जाएत। नव डेनेज प्रणाली आओर पुल क निर्माण होएत। बैंक बिहार राज्य सड़क विकास निगम कए 10 लाख डॉलर क तकनीकी सहयोग सेहो मुहैया कराउत। एहि परियोजना क पूरा लागत 42. 4 करोड़ डॉलर अछि। एहि मे स ऋण क राशि 71 फ़ीसद होएत। बिहार सरकार 12. 4 करोड़ डॉलर क राशि उपलब्ध कराउत।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments