गांधी सेतु क समानांतर दोसरो पीपा पुलक शुरू भेल निर्माण

Pipa Pulपटना । पटनाक गांधी सेतुक समक्ष पैदन चलनिहार जनता क लेल एकटा आर पीपा पुलक निर्माण कैल जा रहल अछि । कहल जा रहल अछि जे निर्माण कार्य अंतिम चरण मे अछि । कहल जा रहल अछि जे सात गोट पीपासं बनए वला एहि पुल मे छह टा पीपा जोड़ि देल गेल अछि । निर्माण कंपनीक निदेशक शैलेंद्र कुमार कहलाह जे दू स तीन दिन मे दोसर पीपा पुल चालू क देल जायत ।

कहल जा रहल अछि जे करीब एक सौ मीटर नम्मा एही पुलक मदति स गंगाक बीच बनल पिकनिक स्पॉट धरि लोक सभकए सुरक्षित पहुंचेबा लेल ई डेग उठाओल गेल अछि । शैलेंद्र कुमार कहलनि पुलक उत्तर मे टापू पर सेहो एप्रोच रास्ता बना एही पीपा क सेहो जोड़ि देल जायत । उल्लेखनीय अछि जे प्रशासन द्वारा पिकनिक स्पॉट पर ध्यान रखबाक लेल सीसीटीवी कैमरा सेहो लगाओल जायत । बताबैत चली जे किछु दिन पहिने गांधी सेतुक समानांतर मे पहिल पीपा पुलक शुभारंभ कैल गेल अछि । ओहि दिनसं पहिनेक अपेक्षा गांधी सेतु पर जाम कम देखल जा रहल अछि ।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments