दिल्ली मे समापन भेल दोसर मिथिला आम महोत्सव

राम बाबू झा 
नयी दिल्ली । “मैथिल पत्रकार ग्रुप” द्वारा दिल्लीक प्रेस क्लब ऑफ इंडिया” कें परिसरमे दोसर #मिथिला_आम_महोत्सव कार्यक्रमकें गरिमामय समापन भेल। कार्यक्रमकें केर मुख्य अतिथि कीर्ति झा आजाद (सांसद दरिभंगा), प्रणव झा (कोंग्रेस नेता), विनय कुमार (महासचिव, प्रेस क्लब), संतोष ठाकुर (अध्यक्ष, मैथिल पत्रकार ग्रुप), मदन झा आओर गीता श्री (उपाध्यक्ष), श्याम सहाय (वरिष्ठ पत्रकार लोकसभा टीवी संपादक), रौशन झा (नव भारत टाइम्स), ईश्वर झा (स्टेट्समैन), मनीष ठाकुर पत्रकार सँग अतिथि विजय चन्द्र झा (अखिल भारतीय मिथिला संघ, अध्यक्ष) आ महासचिव विद्यानन्द ठाकुर संगहि संजीव सिन्हा (कार्यकारिणी सदस्य आ कमल संदेश केर सह-संपादक) संगहि सेओ सँ बेसी पत्रकार सभक सहभागिता छल।
कार्यक्रमकें विधिवत शुरुआत अध्यक्षीय उद्बोधन सँ शुरू भेल। ओ आजुक कार्यक्रमकें उद्देशय पर चर्च कएलाह। फेर बारी बारी सँ मुख्य अतिथि कीर्ति आजाद, प्रणव झा आमक महोत्सव आ एकर उद्देश्य पर अपन अपन बात रखलाह। एकर मूल उद्देश्य यएह निकलि कS बाहर आएल जे मिथिलाक आम जे वास्तवमे अद्वितीय अछि। सैकड़ो प्रकारक मिठास सँ भरल पुरल रहितहुँ ओकर प्रचार प्रसार नहि होयत अछि जकर नोकसान हमरा सभकेँ भोग’ पड़ैए। मुम्बई केर अल्फांसो सँ नीक किस्म केर हमर सभक मालदह अछि जकरा उत्तर प्रदेशक लोक लँगड़ा कहैत छैक। जँ एकर नीक जकाँ मीडिया मे चर्च कएल जाए त ओ एकदिन दुनियामे सर्वोच्च स्थान पर आबि सकैए। उद्देध्य यएह आम पर चर्च करु, खूब खाऊ आ ओकर गुण गाउ।
दिल्लीमे अहि आम महोत्सव केर एक गोट खास गप्प ई छल जे आम टटका टटकी गामसँ मंगाओल गेल छल। प्रवासी लोकनिक लेल त’ वास्तवमे अद्भुत आनन्दक गप्प बुझु। आम खएबाक काल जे लोकक चेहरा छल से देखि ओकर उत्साहक सिमान जानि सकैत छी। बरियाती जकाँ ई लीय त’ ओ लीय, हमरा सनक लोक खएला पिलाक बादो पच्चीस गोट देख लेलक तखन सोचि सकैत छी जे केहन माहौल छलैए।
मिथिला आम महोत्सव वास्तवमे प्रवासी मैथिली मिलन समारोह छल। अंतर्मन सँ सभ गदगद छल। प्रवासी मैथिलकें अहि तरहक आयोजन गाम घरसँ दूर रहितहुँ गामक आभास करा दैत अछि। मैथिल पत्रकार ग्रुप वास्तवमे अहि आयोजन लेल धन्यवादकें पात्र छथि। हुनकर जतेक प्रसंशा करि से कम होयत।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments