28टा जिला सूखाग्रस्त घोषित

पटना । बिहार सरकार राज्य 28टा जिला कए सूखाग्रस्त घोषित करि देलक अछि। राज्य मंत्रिमंडल क बैठक क बाद मुख्यमंत्री नीतीश कुमार कहला जे प्रदेश क जाहि 28टा जिला कए सूखाग्रस्त घोषित कैल गेल अछि ओहि ठाम क स्थिति स संबंधित एकटा प्रस्ताव तैयार करि आर्थिक सहायता क लेल प्रधानमंत्री डॉ मनमोहन सिंह कए ज्ञापन सौंपल जाएत। मंत्रिमंडल सचिवालय समन्वय विभाग क प्रधान सचिव अफजल अमानुल्ला कहला जे मंत्रिमंडल गया, जहानाबाद, औरंगाबाद, अरवल, नवादा, पटना, नालंदा, भोजपुर, बक्सर, रोहतास, कैमूर, मुंगेर, शेखपुरा, लखीसराय, जमुई, बेगूसराय, भागलपुर, बांका, सीवान, सारण, मुजफ्फरपुर, सीतामढी, शिवहर, वैशाली, पूर्वी चंपारण, मधुबनी, समस्तीपुर आ दरभंगा कए सूखाग्रस्त घोषित करि देलक अछि।
ओ कहला जे प्रदेश क शेष 10टा जिल क निरंतर समीक्षा कैल जाएत आओर आवश्यकतानुसार अन्य जिला कए सेहो सूखाग्रस्त घोषित कैल जा सकैत अछि। अमानुल्लाह कहला जे प्रदेश मे मानसून क दयनीय स्थिति क कारण खरीफ फसल खासतौर स धान क रोपनी लक्ष्य स बहुत कम भेल अछि।
एहि अवसर पर आपदा प्रबंधन विभाग क प्रधान सचिव व्यास जी कहला जे सूखाग्रस्त घोषित जिला मे सुखाड स निपटबा लेल आपदा राहत निधि (सीआरएफ), राज्य आपदा रिस्पांस कोष (एसडीआरएफ) आ राष्ट्रीय आपदा आकस्मिक निधि (एनसीसीएफ) अथवा राष्ट्रीय आपदा रिस्पांस फोर्स (एनडीआरएफ) स देल जाइवाला सहायता क प्रावधान तत्काल प्रभाव स लागू भ गेल अछि। ओ कहला जे अधिसूचित जिला मे किसान स सहकारिता ऋण, राजस्व लगान आ सेस, पटवन शुल्क, विद्युत शुल्क जे सीधा कृषि स संबंधित अछि, तेकर वसूली वित्तीय वर्ष 2010-11 क लेल नहि होएत।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments