250 एकड़ मे बनत बिहार मे एएमयू

अलीगढ़। बिहार मे अलीगढ़ मुस्लिम विश्वविद्यालय (एएमयू) क शैक्षणिक केंद्र आब 100 एकड़ क स्थान पर 250 एकड़ मे बनत। बिहार सरकार एकरा लेल अतिरिक्त 150 एकड़ भूमि आवंटित केलक अछि। एएमयू क प्रवक्ता राहत अबरार कहला,’ हमरा केंद्र क स्थापना लेल अतिरिक्त भूमि क आवंटन क सरकारी विज्ञप्ति भेट गेल अछि। बिहार सरकार अपन पत्र मे विश्वविद्यालय केंद्र जल्द खोलबा पर जोर देने अछि।Ó एहि स पहिने बिहार सरकार मुस्लिम बहुल किशनगंज जिले मे एएमयू क केंद्र क स्थापना क लेल 100 एकड़ जमीन आवंटित केने छल।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments