24 अप्रैल कए चिदंबरम आबि रहल छथि बिहार

पटना। केंद्रीय गृह मंत्री पी चिदंबरम भारत-नेपाल सीमा पर बसल रक्सौल मे बनिरहल एकटा चेक पोस्ट क शिलान्यास करबा लेल 24 अप्रैल कए बिहार आबि रहल छथि। इ चेकपोस्ट हाईटेक इंटीग्रेटेड चेक-पोस्ट होएत। एहि चेक पोस्ट मे एसएसबी, कस्टम, इमीग्रेशन सहित अन्य विभाग क टीम सेहो मौजूद रहत। सीमा पार स अबनिहार क सबटा चेकिंग एहि चेक पोस्ट पर भ सकत। जाहि स यात्री कए अलग-अलग चेकिंग क झंझट स छुटकारा भेटत। 24 अप्रैल कए आयोजित एहि शिलान्यास कार्यक्रम मे गृह मंत्री क संग मुख्यमंत्री नीतीश कुमार सेहो मौजूद रहताह।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments