23टा जिला मे खुलत न्यू बॉर्न यूनिट

पटना। नवजात कए अकाल मौत स बचेबा लेल राज्य क 23 जिला मे स्पेशल केयर न्यू बॉर्न यूनिट एससीएनयू खोलल जा रहल अछि। इ फैसला हर वर्ष करीब 60 हजार नवजात क जान बचेबा लेल कैल गेल अछि। एकरा लेल सबटा सिविल सर्जन कए यूनिसेफ क सहयोग स दू दिन क प्रशिक्षण देल गेल अछि।
एहि यूनिट मे अत्याधुनिक उपकरण जेना बिलरूबिनोमीटर, रेडिएंट वार्मर, फोटोथिरेपी, सिर्रिज पंप, पल्स ऑक्सीमीटर, ऑक्सीजन कॉनसंटेट, ग्लूकोमीटर आ ऑक्सीजन हुड सहित अन्य उपकरण लगाउल जाएत। एहि स पहिने यूनिसेफ द्वारा छहटा जिला वैशाली, सहरसा, पूर्णिया, अररिया, सुपौल आ मधेपुरा जिला मे एहन यूनिट क सेवा बहाल करि चुकल अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments