2224टा महिला क हाथ होएत कमान

पटना । राज्य मे 11,122टा होमगार्डे क बहाली प्रक्रिया शुरू भ गेल अछि। एहि मे ग्रामीण क्षेत्र मे 10,032 आ शहरी क्षेत्र मे 1090टा क नियुक्ति हेबाक अछि। 20 प्रतिशत सीट महिला लेल आरक्षित अछि अर्थात 2224टा पर महिला क कब्‍जा तय। सब जिला स निर्धारित कोटा क अनुरूप योग्य उम्मीदवार स आवेदन मांगल जा रहल अछि। डीएम आ एसपी क अध्यक्षता मे गठित चयन समिति नामांकन लेल तिथि क निर्धारण करत। एकरा लेल आरक्षण रोस्टर तैयार कैल जा रहल अछि।
होमगार्ड क डीजी यूएस दत्ता क अनुसार, 31 दिसंबर तक प्रकिया पूरी करि लेल जाएत आ नवनियुक्त होमगार्डे कए ट्रेनिंग लेल पठा देल जाएत। एहि वर्ष 20 हजार क बहाली हेबाक अछि। फिलहाल 11 हजार क चयन क काज शुरू भ चुकल अछि। नौ हजार लेल बाद मे विज्ञापन जारी होएत। राज्य मे फिलहाल 54 हजार होमगार्ड अछि। नवनियुक्‍त होमगार्ड मे स विशेष बटालियन लेल सेहो चयन होएत जे अर्धसैनिक बल क तर्ज पर ट्रेनिंग लेत।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments