21 मार्च कए दरभंगा आउतथि राष्ट्रपति

दरभंगा। लनामिवि मे 21 मार्च कए प्रस्तावित दीक्षांत समारोह मे राष्ट्रपति प्रतिभा पाटिल क एबाक सहमति विवि प्रशासन कए भेट गेल अछि। राष्ट्रपति भवन स निर्गत पत्र मे लनामिवि प्रशासन कए सूचित कैल गेल अछि जे महामहिम 21 मार्च कए 12 बजे स 1.30 बजे तक दीक्षांत समारोह मे उपस्थित रहतथि। ओ एहि अवसर पर दीक्षंात भाषण सेहो देतथि । महामहिम कए कुलाधिपति क माध्यम स आमंत्रित कैल गेल छल। एकर स्वीकृति शुक्रदिन फैक्स स प्रशासन कए भेटल। लनामिवि क स्थापना क बाद इ दोसर मौका अछि जखन देश क प्रथम नागरिक दीक्षांत समारोह मे भाग लेबा लेल दरभंगा आबि रहल छथि। एहि स पूर्व पूर्व तत्कालीन राष्ट्रपति डॉ एपीजे अब्दुल कलाम दिसंबर, 2005 मे दीक्षांत समारोह मे भाग लेने छलाह। ओ दीक्षांत भाषण देलाक बाद उत्तर बिहारक पहिल महिला प्रौद्योगिकी संस्थान क उद्घाटन सेहो केने छलाह। महामहिम क एबाक सूचना स पूरा शहर गदगद अछि आ प्रशासन सेहो तैयारी मे जुटि गेल अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments