2024 धरि बनि जायत दरभंगा एयरपोर्ट क अपन टर्मिनल

एयरबेस पर मरम्‍मत आ निर्माण काज लेल रक्षा मंत्रालय देलक एनओसी      
   
दरभंगा । दरभंगा एयरपोर्ट क अपन टर्मिनल 2024 तक बनि कए तैयार भ जायत। ताधरि लेल एयरबेसक 2.3 एकड जमीन सिविल सेवा लेल एयरपोर्ट ऑथिरिटी आफ इंडिया कए रक्षा मंत्रालय पांच सालक लीज पर द देलक अछि। 29 तारीख कए एहि संबंध मे रक्षा मंत्रालय दिस स एनओसी प्राप्‍त भ गेल अछि। एनओसी भेटलाक बाद आब केंद्र सरकार क उड़ान योजना क तहत दरभंगा एयरपोर्ट क जीर्णोद्धार क बाट साफ भ गेल। दरभंगा एयरबेस क रनवे क मजबूतीकरण, टर्मिनल बिल्डिंग सहित अन्य विभिन्न निर्माण कार्य आब शुरु भ जायत। जदयू क राष्ट्रीय महासचिव संजय झा रक्षा मंत्री क प्रति आभार प्रकट केलथि अछि। झा कहला अछि जे दरभंगा में एयरपोर्ट शुरु भेला स पूरा मिथिला क तस्वीर बदलत। उल्‍लेखनीय अछि जे 19 सितंबर कए दिल्ली क एकटा कंपनी कए रनवे क मजबूतीकरण लेल टेंडर फाइनल भेल अछि। कंपनी कए अगिला छह माह मे काज खत्‍म क देबाक अछि। झाक दावा अछि जे एहिला साल एहि ठाम स सेवा निश्चित रूप स शुरु भ जायत।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments

कोई जवाब दें

Please enter your comment!
Please enter your name here