2020 तक मोतिहारी पहुंचत गैस पइप लाइन : प्रधान

शेरपुर मे एलपीजी बॉटलिंग प्लांट क उदघाटन

पटना । पेट्रोलियम मंत्री धर्मेंद्र प्रधान मुजफ्फरपुर क शेरपुर मे विस्तारित गैस बॉटलिंग प्लांट क उदघाटन कैल। एहि मौका पर मंत्री कहलथि जे
ओडिशा क पारादीप रिफाइनरी से बरौनी, मुजफ्फरपुर, मोतिहारी, गोरखपुर क रास्ते लखनऊ तक गैस पाइपलाइन बिछाउल जा रहल अछि। ओ कहला जे गैस पाइप लाइन क दोसर चरण मे मोतिहारी तक पाइपलाइन पहुंचत । एहि मे तीन -चार साल लागत। प्रधानमंत्री उज्ज्वला योजना क तहत गरीबी रेखा क नीचा रहनिहार पांच करोड़ महिला कए नि:शुल्क एलपीजी कनेक्शन देबा लेल पहिने बॉटलिंग क्षमता बढ़ाउल जा रहल छि। शेरपुर बॉटलिंग प्लांट क क्षमता सालाना  60 हजार मीट्रिक टन स बढ़ाकए सलाना 120 हजार मीट्रिक टन क देल गेल अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments