2019 तक शुरु भ जाएत बरौनी फर्टिलाइजर मे उत्पादन

पटना । बरौनी मे पिछला 30 साल स बंद फर्टिलाइजर जल्द चालू होएत। केंद्रीय कैबिनेट  एकरा चालू करबा लेल एकटा महत्‍पूर्ण प्रस्‍ताव कए मंजूरी द देलक अछि। आब इ कारखाना फर्टिलाइजर कॉरपोरेशन ऑफ इंडिया संचालित करत।  फर्टिलाइजर लेल पेट्रोलियम आ प्राकृतिक गैस मंत्रालय दिस स गैस आपूर्ति कैल जाएत। 12000 करोड़ क लागत स फेर स चालू भ रहल एहि खाद कारखाना मे साढ़े तीन साल बाद उत्पादन शुरू भ जाएत।  एहि कारखाना कए चालू भेला स उत्तर बिहार क लोक कए रोजगार भेटत। एहि संबंध मे जानकारी दैत केंद्रीय मंत्री रविशंकर प्रसाद कहला जे  एहि कारखाना लेल पेट्रोलियम आ प्राकृतिक गैस मंत्रालय जगदीशपुर-हल्दिया क बीच वाया बरौनी होइत गैस पाइपलाइन बिछाएत। एहि पर सरकार दस हजार करोड़ खर्च करत। साढ़े तीन साल मे एहि कारखाना स खाद क उत्पादन शुरू भ जाएत।

इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments