2015 तक तैयार भ जाएत समस्‍तीपुर मे गैस आधारित बिजली संयंत्र

0
1
esamaad maithili newspaper

समस्तीपुर। बिहार मे कोयलाक कमी क कारण बिजली लेल दोसर विकल्‍प पर ध्‍यान देल जा रहल अछि। पिछला दू चारि मे गैस आधारित बिजली घरक किछु प्रस्‍ताव बिहार सरकार लग आयल छल। जाहि मे स एकटा प्रस्‍ताव कए जमीन पर उतरबा लेल सरकार मंजूरी द देलक अछि। जानकारीक अनुसार समस्‍तीपुर जिलाक सरायरंजन प्रखंड अंतर्गत रूपौली गाम मे 2015 तक गैस आधारित थर्मल पावर स्‍थापित भ जाएत। एकटा एहने परियोजना क प्रस्‍ताव मधुबनी जिलाक जयनगर लेल सेहो अछि आ उम्‍मीद अछि जे सरकार एहि पर सेहो मंजूरी द देत।
हैदराबाद क कंपनी ओपीटी क एहि प्रस्ताव कए बिहार राज्य विनिवेश बोर्ड आ उद्योग विभाग अपन स्वीकृति पूर्वहि मे प्रदान क देने अछि। एखन संयंत्र लेल भूमि चयन क प्रक्रिया भ रहल अछि। एकरा लेल रूपौली गांव मे समस्तीपुर क सांसद महेश्वर हजारी आ उजियारपुर क सांसद अश्वमेघ देवी निजी जमीन क जायजा लेलथि। भूमि संबंधी कागजात क रिपोर्ट जमा भ रहल अछि। कागजात जमा भेलाक बाद भूमि क निबंधन क प्रक्रिया शुरू कैल जाएत।
ज्ञात हुए जे गैस आधारित एहि थर्मल पावर क निर्माण मे कोल लिंकेज सन कोनो झंझट नहि अछि। एकर निर्माण पूरा भेला स एहि संयंत्र स 500 मेगावाट बिजली क उत्पादन होएत। जाहि स केवल स्थानीय लोक कए नहि बल्कि पूरा जिला कए बिजली भेटत। संगहि एकरा बाहर सेहो पठाउल जा सकैत अछि। समस्तीपुर क सांसद महेश्वर हजारी कहला जे पहिने एहि थर्मल पावर क स्थापना कल्याणपुर प्रखंड मे हेबाक छल। कई बेर ओहि कंपनी क सदस्‍य ओहि ठाम क दौरा सेहो केने छलाह। श्री हजारी कहला जे 5000 करोड़ क लागत स निर्मित एहि थर्मल पावर क निर्माण स एहि क्षेत्र क लोक कए जतए बिजली क मामला मे आत्मनिर्भर हेबाक अवसर भेटत ओतहि किछु रोजगार क अवसर सेहो बनत। ओ कहला जे एहि क्षेत्र मे रोजगार लेल जमीन देनिहार कए प्राथमिकता देल जा रहल अछि। आब एहि रिपोर्ट कए जमा होइत देरी भूमि क निंबंधित करबाक प्रक्रिया शुरू क देल जाएत।

maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper

Please Enter Your Facebook App ID. Required for FB Comments. Click here for FB Comments Settings page