2012 तक बनि जाएत विधानसभाक नवका भवन

पटना। अगिला दू साल क भीतर बिहार विधानसभा क नवका भवन बनिकए तैयार भ जाएत। डिजायन क लिहाज स इ अनूठा भवन होएत। विधानसभा अध्यक्ष उदय नारायण चौधरी  संसदीय कार्य मंत्री विजेंद्र प्रसाद यादव आ भवन निर्माण मंत्री दामोदर रावत क संग निर्माण कार्य क समीक्षा केलथि। समीक्षा क क्रम मे इ गप सामने आएल जे निर्माण क गति तय लक्ष्य स आगू अछि। हर हाल मे नव भवन क निर्माण कार्य मार्च 2012 तक पूरा भ जाएत। नव निर्माण क विशेषता इ अछि जे एकरा लेल पुरानका भवन स तनिको  छेड़छाड़ नहि कैल गेल अछि। नव भवन मे पुस्तकालय क संग संग शोधार्थी क लेल अलग स जगह उपलब्ध होएत। विधानसभा कमेटीक अध्यक्ष क लेल अलग स कक्ष क व्यवस्था होएत। एकटा पैघ सेमिनार कक्ष सेहो रहत। नव भवन क निर्माण ग्रीन बिल्डिंग कांसेप्ट क तहत भ रहल अछि। बिहार स बाहर क एकटा निर्माण कंपनी कई बेर क हवाई सर्वे क बाद विधानसभा क नव भवन क लेल स्थान तय केने छल।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments