मोदी खोललथि पेटार, खुजत 20टा एम्‍स, किसानक आए होएत दुगूना

किसान क आय दुगुना करबाक योजना मंजूर

मणिभूषण राजू

नई दिल्ली । पीएम नरेंद्र मोदी क अध्यक्षता मे बुध दिन भेल कैबिनेट क बैठक मे रास फैसला सब लेल गेल । एहि मे किसान, बुजुर्ग आ स्वास्थ्य सँ जुड़ल फैसला अछि । 2022 धरि किसान सबहक आय दुगुना करबाक लक्ष्य लेल “हरित क्राँति – कृषि उन्नति योजना” कए मंजूरी देल गेल अछि । पहिने सँ चलि रहल 11टा अलग-अलग योजना सब आब एहि अम्ब्रेला स्कीम क तहत एकसंग चलत। वरिष्ठ नागरिक सबकए पेंशन क लेल प्रधानमंत्री ‘वय वंदन योजना’ मे निवेश क सीमा 7.5 लाख सँ बढ़ाकय 15 लाख कय देल गेल अछि। 20 टा नबका एम्स सेहो खुजत जाहिमें लगभग 60 हजार नबका नौकरी पैदा होबाक दावा कएल जा रहल अछि।

अल्पसंख्यक कार्यक्रम क नाम बदलबाक भेटल मंजूरी

कानून मंत्री रविशंकर प्रसाद कहलथि, “मंत्रिमंडल अल्पसंख्यक समुदाय क फायदाक लेल दूरगामी बदलाव सबकए मंजूरी देलथि । हुनका सबहक बेहतर सुविधा भेटतनि । एहि मे विशेष रूप सँ शिक्षा, स्वास्थ्य आ कौशल विकास शामिल अछि।” जनसंख्या प्रतिशत मानदंड कए कम क कए अल्पसंख्यक सबकए कस्बा आ गाम सबकए सामूहिक पहचान सेहो तर्कसंगत बनाओल गेल अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments