20 स लागत जनता क दरबार मे मुख्यमंत्री

पटना । जनता क दरबार मे मुख्यमंत्री कार्यक्रम 20 दिसंबर स शुरू भ रहल अछि। मुख्यमंत्री क एक अणे मार्ग स्थित आवासीय परिसर क दरबार हाल मे हर मास क प्रथम, द्वितीय आ तृतीय सप्ताह मे भोर 10 बजे स शिकायत क सुनवाई शुरू होएत आ अंतिम शिकायतकर्ता क सुनवाई तक जारी रहत। एकरा लेल आवास क बाहर शेड मे 8 स 12 बजे तक निबंधन होएत। निबंधन क बाद शिकायत पत्र पर निबंधन संख्या अंकित करि निबंधन कार्ड देल जाएत। एकर बाद भेटल प्रवेश पत्र क आधार पर शिकायतकर्ता दरबार हाल मे प्रवेश करि सकताह। बीस दिसंबर कए मासक तेसर सोम छी, लिहाजा ओहि दिन ग्रामीण विकास, ग्रामीण कार्य, पंचायती राज, ऊर्जा, पथ निर्माण, लोक स्वास्थ्य अभियंत्रण, कृषि, सहकारिता, पशु आ मत्स्य संसाधन, जल संसाधन, लघु जल संसाधन, नगर विकास आ आवास विभाग आओर खाद्य आ उपभोक्ता संरक्षण विभाग स संबंधित शिकायत क सुनवाई कैल जाएत।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments