2.5 अरब खर्च क सुधरत मुजफ्फरपुर क सीवरेज सिस्टम

मुजफ्फरपुर । मुजफ्फरपुर आ दरभंगा मे घर स निकलल गंदा पाइन शहर क सड़क, गली आ मोहल्ला मे जमा भ आब शहरक रूप नहि खराब करत। सीवरेज सिस्टम क जरिए गंदा पाइन क ट्रीटमेंट करि ओकर इस्तेमाल कृषि कार्य मे होएत। एशियन डेवलपमेंट बैंक मुजफ्फरपुर क संग दरभंगा मे सेहो एहि योजना कए लागू करबा मे जुटल अछि। बिहार अरबन डेवलपमेंट कार्यक्रम क तहत एहि योजना पर केवल मुजफ्फरपुर मे 2.5 अरब टका खर्च होएत। एहि ठाम योजना क डीपीआर तैयार भ रहल अछि। ट्रीटमेंट प्लांट स्थापित करबा लेल जमीन ताकल जा रहल अछि। एहि योजना कए अंजाम तक पहुंचेबा लेल शहर क दौरा पर आयल बीयूडीपी क सोशल डेवलपमेंट स्पेशलिस्ट एस बेलियप्पा प्रभारी नगर आयुक्त अरुण कुमार सिंह स भेंट करि योजना पर विचार विमर्श केलथि आ ट्रीटमेंट प्लांट क स्थापना पर निगमकर्मी स सेहो गप केलथि। ओ कहलथि जे घर सब स निकलल गंदा पाइन छोट पैघ पाइप क कनेक्शन क माध्यम स ट्रीटमेंट प्लांट तक पहुंचत आ फेर ट्रीटमेंट भेलाक बाद ओ कृषि कार्य मे उपयोग क लेल उपलब्ध भ जाएत।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments