90 हज़ार पद लेल आयल 2.37 करोड़ आवेदन, फॉर्म छटनी मे छुटल पसीना

रेलवे मे ग्रुप सी आ डी पद हेतु नियुक्ति परीक्षा
90 हजार पद, 2.37 करोड़ आवेदन, टालय पड़ल परीक्षा

मणिभूषण झा
राँची । रेलवे मे ग्रुप सी आ डी क 89409 पद पर भर्ती हेतु देशभरि मे 2.37 करोड़ आवेदन आएल अछि। पहिने नियुक्ति कैलेंडर मे मार्च 2019 धरि भर्ती प्रक्रिया पूरा करय क बात कहल गेल छल, मुदा एतेक पैघ संख्या मे आवेदन एबाक कारणे परीक्षा टालय पड़ल । आब 15 जुलाई धरि नबका नियुक्ति कैलेंडर बनाओल जाएत । देशभरि क 21 आरआरबी मे एखन फार्म स्क्रुटनी चलि रहल अछि । ई जुलाई क प्रथम सप्ताह मे पूरा हेबाक उम्मीद अछि । एहि क बाद नियुक्ति कैलेंडर बनत । सब आरआरबी क चेयरमैन बैसार कए परीक्षा पर फैसला लेताह । बोर्डक मंजूरी क बाद परीक्षा क तिथिक घोषणा होएत।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments