17 कए मुख्यमंत्री करताह वायुसेवाक उद्घाटन

0
9

2222पटना : स्काईफिशर क विमान दिल्ली स पटना पहुंच गेल। पटनाक स्टेट हैंगर मे विमान लागल अछि। बिहार मे स्काईफिशर क विमान सेवा क उद्घाटन 17 सितंबर कए मुख्यमंत्री नीतीश कुमार करताह। उद्घाटन क बाद भागलपुर-पटना-गया क बीच कंपनी ट्रायल सेवा शुरू करत। ओ कहला जे भागलपुर स विमान सेवा लेल नीतिगत फैसला ल लेल गेल अछि। कंपनी नवरात्र क पूर्व तक भागलपुर-पटना क बीच ट्रायल फ्लाइट चलाउत। भागलपुर- पटना बहुप्रतीक्षित यात्री विमान सेवा नवरात्र क पहिल दिन स नियमित शुरू भ जाएत। इ जानकारी स्काईफिशर कंपनी लिमिटेड क जनरल मैनेजर (कॉरपोरेट कम्युनिकेशन) विशाल कश्यप देलथि अछि। ओ कहला जे किराया क निर्धारण नहि भ सकल अछि, मुदा कंपनी क एमडी ऋषिकेश मिश्र समेत निदेशक मंडल क सदस्य, पायलट आ इंजीनियरिंग सेवा क अधिकारी एहि लेल लगातार बैसार क रहल छथि। कश्यप कहला अछि जे डायरेक्टर जनरल सिविल एविएशन (बीजीसीए) लग कंपनी क एयरक्राफ्ट क कागजात पहुंच गेल अछि। ओ कहला जे भागलपुर स विमान सेवा शुरू करबाक मद्देनजर रनवे कए सजेबाक काज पूरा क लेल गेल अछि। राष्ट्रीय उच्च पथ स रनवे तक एबा लेल सड़क निर्माण पूरा भ चुकल अछि। रनवे क सुरक्षा लेल तीन शिफ्ट मे पुलिस बल क तैनाती कैल गेल अछि। ओना मैदान क सफाई क काज भ रहल अछि। इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, Hawai seva, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa

Please Enter Your Facebook App ID. Required for FB Comments. Click here for FB Comments Settings page