1,500 मेगावाट बिजली खरीदत बिहार

पटना। बिहार क ऊर्जा मंत्री रामाश्रय प्रसाद सिंह कहलथि जे बिहार राज्य विद्युत बोर्ड (बीएसईबी) पिछला वर्ष खुलल बाजार स बिजली खरीदबाक लेल एक टा अनुरोध प्रस्ताव पत्र आमंत्रित केने छल। बोर्ड क एक टा अधिकारी कहलथि जे बीएसईबी प्रस्ताव पत्र क तारीख कए आओर बढ़ेबाक फैसला केलक अछि। ओ कहलथि जे बीएसईबी क महाराष्ट्र, गुजरात, केरल, छत्तीसगढ़ आ उड़ीसा क कंपनी स बिजली खरीदबाक संभावना अछि। बिहार कए प्रतिदिन 800 स 1000 मेगावाट बिजली केंद्रीय पूल स भेट रहल अछि, जखन कि निर्धारित आवंटन 1,553 मेगावाट क अछि। प्रदेश मे बिजली क प्रतिदिन क मांग 2,000 स 2,500 मेगावाट क अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments