15 वर्ष पुरान बस क होइत पूरा जांच

पटना। उच्च न्यायालय क निर्देश पर क्षेत्रीय परिवहन प्राधिकार 15 वर्ष पुरान पब्लिक ट्रांसपोर्ट क गाड़ी क कड़ाई स जांच क निर्णय लेलक अछि। एकरा लेल 19 दिसंबर स गांधी मैदान मे मेगा शिविर लगाउल जा रहल अछि, जेहि ठाम वाहन क फिटनेस, परमिट संग एहि वाहन क चालक कए स्वास्थ्य क जांच कएल जाइत। इ शिविर स पूर्व अखबार मे विज्ञापन प्रकाशित कएल जाइत। तीन दिन क एहि शिविर मे स्वेच्छा स वाहन मालिक कए शामिल होबै पड़त। पहिने दू दिन 15 साल पुरान वाहन क जांच कएल जाइत, जखनि कि अंतिम दिन 10 साल पुरान गाड़ी कए सेहो जांच कएल जाइत।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments