15 मई तक सब विवि कए परीक्षा लेबाक निर्देश

0
3
esamaad maithili newspaper

पटना। मानव संसाधन विकास विभाग क सचिव केके पाठक सब टा विश्वविद्यालय कए अगिला सत्र क परीक्षा 15 मई तक ल लेबाक निर्देश देलाह। एहि क ध्यान मे रखि क वर्ष 2009-2010 सत्र कए एकेडमिक कैलेंडर बनाब क उ ताकीद केलाह। श्री पाठक सब टा विश्वविद्यालय क परीक्षा नियंत्रक कए 25 नवंबर तक अगिला सत्र क एकेडेमिक कैलेंडर तैयार करि हर हाल मे विभाग कए भेज देबाक निर्देश देलाह। साथ मे सेहो कहला जे कैलेंडर एहि प्रकार बनाउल जाए जे सब परीक्षा अगिल साल 15 मई तक ल लेल जाए, जेहि स 15 जून, 2010 तक इनकर परीक्षाफल प्रकाशित करि देल जाए।

Please Enter Your Facebook App ID. Required for FB Comments. Click here for FB Comments Settings page