12 मास मे तैयार भ जाएत बख्तियारपुर-नवादा फोर लेन: नंदकिशोर

पटना। पथ निर्माण मंत्री नंदकिशोर यादव कहला जे 2011 तक बख्तियारपुर-नवादा-बरही सड़क फोर लेन बनि जाएत। ओ अफसोस व्यक्त केलथि जे भारत सरकार क उपेक्षापूर्ण रवैया क कारण गंगा पुल आ डुमरी पुल क खराबी दूर नहि भ पाबि रहल अछि। मंत्री क अनुसार हाजीपुर-जन्दाहा सड़क कए समस्तीपुर स जोडबा लेल एनएच तक क लेल दोहरीकरण क लेल भारत सरकार स आग्रह कैल गेल अछि। एहि रोड कए बनि जेबा स महज ढाई घंटा मे दरभंगा पहुंचल जा सकैत अछि।
पथ निर्माण मंत्री कहला जे इरकान द्वारा पटना क बहादुरपुर आ अगमकुआं मे निर्मित सड़क उपरिपुल (आरओबी) मे खामी भेटल अछि। ओकरा दूर करबा लेल निर्देश देल गेल अछि। बहादुरपुर उपरिपुल क पूर्वी छोर मे गढ्डा छै, जखकि अगमकुआं मे एप्रोच रोड ठीक स नहि जुड़ि सकल अछि।
यादव कहला जे गंगा आ डुमरी पुल क खामी कए दूर करबा लेल केंद्र स आग्रह कैल गेल अछि। गंगा पुल क मरम्मत पर 169 करोड़ आ डुमरी पुल क निर्माण पर 1.50 करोड़ खर्च होएत। केंद्र प्रदेश कए एनएच क निर्माण मे कैल गेल खर्च क प्रतिपूर्ति तक नहि करि रहल अछि।
कि बिहार मे छह लेनक सडक सेहो बनत, एहि सवाल क उत्तर दैत पथ निर्माण मंत्री कहला जे एखन बहुत किछु हमरा सब कए बुझले नहि अछि, देखू ने हम अपने आरओबी (रेलवे ओवरब्रिज) क मतलब नहि बुझैत छलहूं। हमरा जनैत ओ ै-रेलवे ओवरब्रिज होइत अछि, मुदा एक दिन मुख्यमंत्री नीतीश कुमार बुझौलथि जे एकर मतलब रोड ओवरब्रिज अर्थात सड़क ऊपरि पुल होइत अदि। एहन मे हमरा सब लेल एहन बहुत किछु बुझब आ करब बाकी अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments