12 कए पटना अउतथि उपराष्ट्रपति

पटना। उपराष्ट्रपति हामिद अंसारी 12 दिसंबर कए पटना अउतथि। ओ खुदाबक्श लाइब्रेरी मे आयोजित एकटा कार्यक्रम मे भाग लेतथि। लाइब्रेरी क निदेशक डॉ. इम्तियाज अहमद कहला जे पुस्तकालय क सौ वर्ष पूरा हेबा पर 12 दिसंबर कए खुदाबक्श मेमोरियल लेक्चर आयोजित कएल गेल अछि। उपराष्ट्रपति मेमोरियल लेक्चर मे मुख्य अतिथि क रूप मे शामिल हेताह। दोसर ओर संस्कृति मंत्रालय राष्टï्रीय फेलोशिप मे आबि क लेल 17 संस्था कए सूची मे खुदाबक्श ओरिएंटल लाइब्रेरी कए सेहो शामिल केलक अछि। एहि 17 टा संस्थान मे आठ टा दिल्ली, चारि टा कोलकाता, दू टा मुंबई आ एक-एक टा इलाहाबाद, भोपाल आ पटना मे शामिल अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments