कमजोर वर्गक युवा मे उद्यमिताक प्रति रुझान बढेबा लेल सरकार देत 10 लाख तक कए कर्ज

रामबाबू झा
पटना । अनुसूचित जाति-जनजातिक युवा सभमे रोजगारोनुमुखी बनाब’ लेल राज्य सरकार मुख्यमंत्री अनुसूचित जाति-जनजाति उद्यमी योजना शुरु कएलक अछि। अहि माध्यमे चयनित युवा सभकें  उद्योग विभाग प्रशिक्षण आऔर मदति करत। सरकार मानैत अछि कि कमजोर वर्गक युवा सभमे उद्यमिताक प्रति रुझान कम अछि, तेँ हुनका सभकेँ उद्यमी बनब अंतर्मन सँ रुचिगर लगैनि, ई योजना शरू कएल गेल।
19 इन्कयूबेशन सेंटर सँ युवा सभकेँ जोड़ल जाएत
अहि वर्गक युवा सभकेँ राज्यक 19 इन्कयूबेशन सेंटर संग जोड़ल जाएत। इन्क्यूबेटर नहि केवल हुनका सभकेँ कारोबारक गुर सिखाओत बल्कि उत्पादन सँ लSक विपणन धरि कें सभ प्रक्रियाक जानकारी प्रदान करत। आवेदन हेतु नवका वेबसाइट बनाओल गेल अछि। आवेदन, केवल ऑनलाइन कएल जा सकैत अछि। अहि योजना माध्यमे सरकार, युवा सभकेँ उद्योग लगेबाक लेल अधिकतम 10 लाख रुपए धरि प्रदान करता। परियोजना लागतक 50 प्रतिशत मतलब 5 लाख रुपैया ब्याज मुक्त ऋण आऔर 50 प्रतिशत (अधिकतम 5 लाख रुपैया ) विशेष प्रोत्साहन राशि, सब्सिडी रुपे प्रदान कएल जाएत। प्रशिक्षण हेतु प्रति इकाई 25 हजार रुपया देल जाएत।
पहिल चरण हेतु 102 करोड़ 50 लाख रुपैयाक इंतजाम चालू वित्तीय वर्ष 2018-19 लेल व्यवस्था कएल गेल अछि। लाभार्थि सभक चयन केर जिम्मेबारी उद्योग विभागक प्रधान सचिव केर अध्यक्षतामे गठित समितिकें देल गेल अछि।
आवेदक केर योग्यता
योजनाक लाभ लेब बला आवेदक बिहारक निवासी होयबाक साथ एससी-एसटी वर्गक होयबाक चाहि।हुनक शैक्षणिक योग्यता कम सँ कम 10+2 वा इंटरमीडियट आईटीआई, पॉलिटेक्निक डिप्लोमा वा समकक्ष होयबाक जरूरी अछि। न्यूनतम उम्र 18 वर्ष होय।
अहि ट्रेड सभके’ प्राथमिकता भेटत
पर्यटन, परिवहन, ब्यूटी पार्लर, फोटो स्टेट मशीन व टाइपिंग, मसाला, पापड़ि, बड़ी बनाएब, दालि मिल, तेल मिल, आटा चक्की, सिलल-सिलाएल वस्त्र, चमड़ाक चप्पल, जूता, पर्स, बैग आदि इत्यादिक कारोबार सभकेँ  प्राथमिकता देल जाएत।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments