पटना । नवरात्र क मौका पर बोरिंग रोड मे बच्चा सब स्वीडन मे बनल ट्वाय ट्रेन क खूब आनंद लेलक । दिनभरि मे पन्द्रह हजार स बेसी बच्चा ट्रेन क सवारी क लुत्फ उठौलक । खास गप इ रहल जे एहि दौरान बच्चा स कोनो शुल्क नहि लेल गेल। दरअसल इ ट्रेन वैशाली मे बनि रहल वाटर पार्क फन डू लैंड लेल स्वीडन स आयल अछि। नवरात्र मे पार्कक प्रचार लेल बच्चा क बीच एकरा आनल गेल छल।
डेढ़ किमी क चक्कर लेगा मे ट्रेन कए पन्द्रह स बीस मिनट लागल। संस्थान क निदेशक कृष्ण कुमार सिंह क समाद अछि जे भारत मे एहि तरह क इ पहिल ट्रेन छी। तीन बोगी वाला एहि ट्रेन क एकटा बोगी मे पैंतीसटा बच्चा बैस सकैत अछि। एहि ट्रेन क निर्माण पर लगभग तीस लाख टका खर्च भेल अछि। ट्रेन मे कईटा एलसीडी स्क्रीन लगल अछि, जाहि मे राजधानी क मुख्य जगहक फोटने दिखाई पड़ैत अछि। एतबे नहि फन-डू-लैंड क विशेषता सेहो स्क्रीन पर देखल जा सकैत अछि। एकर अलावा वैशाली क ऐतिहासिक शांति स्तूप आ धार्मिक स्थल क नजारा सेहो देखि सकैत छी।