पटना। बिहार मे लोक निर्माण विभाग आधुनिक तकनीक क सहारे इंजीनियर क कामकाज आ हुनकर कोनो तरह क लापरवाही पर बारीकी स नजर रख सकत। विभाग क ओर स एकरा लेल रिमोट ट्रैकिंग मैनेजमेंट सिस्टम अमल मे आनल गेल अछि। गौरतलब अछि जे बिहार मे पुलिस आ निगरानी विभाग पहिने इ आधुनिक तकनीक कए अपना चुकल अछि। पुलिस अपराधी कए पकड़बाक लेल इ तकनीक क इस्तेमाल करैत अछि। लोक निर्माण विभाग क सचिव प्रत्यय अमृत कहलथि जे राज्य मे विभाग द्वारा वर्तमान समय मे 1,600 स बेसी सड़क आ पुल परियोजना पर काज चल रहल अछि। समय सीमा क अंदर इ परियोजना कए पूरा करबाक एकटा चुनौती अछि। एहन मे विभाग क इंजीनियर क अनुपस्थिति कोनो हाल मे बर्दाश्त नहि कएल जा सकत। ओ कहलथि जे विभाग क एक सौ स बेसी कार्यपालक अभियंता कए हाइटेक मोबाइल फोन उपलब्ध कराउल गेल अछि। एकरा अतिरिक्त जूनियर इंजीनियर कए सेहो एसएमएस क जरिए मुख्यालय कए प्रतिदिन क प्रगति रिपोर्ट देबाक निर्देश देल गेल अछि। एकरा लेल सरकार इ इंजीनियर कए अलग स मासिक भत्ता सेहो द रहल अछि।