फातिमा भेलीह सम्मानित

दरभंगा। पुरी पीठ क शंकराचार्य दरभंगा मे आयोजित एकटा समारोह मे पं जयमंत मिश्रक पुस्‍तक ‘श्रीसीताचरित महाकाव्यम’ क लोकार्पण केलथि। ग्रंथ लोकार्पण समारोह क दौरान कार्यक्रम क संचालिका स्थानीय सीएम कालेज क अंग्रेजी विभाग क प्राध्यापिका डॉ. इंदिरा झा जेनाहि सम्मानित करबा लेल फातिमा क नाम घोषित केलथि, ओहि ठाम मौजूद सबगोटे आश्चर्यचकित रहि गेलथि। सबहक ओखि मंच दिस टिक गेल, जिज्ञासा इ जे आखिर फातिमा एहन कोन काज केलथि जे ओहि मंच स हुनका सम्मानित कैल जा रहल अछि जाहि पर शंकराचार्य विराजमान छथि। संचालिका डॉ. झा जिज्ञासा कए खत्‍म करैत कहलथि जे लोकार्पित पुस्तक ‘श्रीसीताचरित महाकाव्यम’ क आवरण चित्र फातिमा क हाथ बनल अछि। मिथिला विवि क कुलपति डॉ. एसपी सिंह हुनका सम्मानित केलथि। डॉ. झा कहलथि जे फातिमा सीएम कालेज मे अंग्रेजी प्रतिष्ठा क प्रथम खंड क छात्रा छथि आ पुस्तक क लेल चित्र बनेगा मे ओ काफी मेहनत केलथि अछि। फातिमा कईटा चित्र बना ओकरा रिजेक्ट करैत रहलीह। ओ एतबा चित्र बनेने छथि जे एक दिन ओ डॉ. झा स कहलथि जे हुनकर घर एखन राम-सीता स भरि गेल अछि। धैर्य क संग परिश्रम करि ओ एकरा अंतिम रूप प्रदान केलथि अछि जे पुस्तक लेल चुनल गेल आ प्रकाशित कैल गेल अछि। एहि अवसर पर उपस्थित सब गोटे कर-तल ध्वनि स फातिमा क कार्य क स्वागत केलथि आ सद्भाव क दृष्टि स एकरा समाज लेल शुभ-संकेत कहलथि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments

1 टिप्पणी

Comments are closed.