पटना मे दौडि गेल सिटी बस


पटना। राजधानी क सड़क पर आखिरकार रविदिन सांझखन स सिटी बस चलए लागल। बिहार राज्य पथ परिवहन निगम क रिंग सेवा क बस आब पटनाक लोक क बहुत कष्‍ट दूर करि देत। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार एहि सेवा क शुभारंभ केलथि। संवाद केन्द्र क सामने अपराह्न 4.40 बजे क करीब मुख्यमंत्री रिंग सेवा क बस कए झंडी देखा रवाना केलथि। शुरुआत 20 टा बस स कैल गेल अछि। सोमदिन स एकर संख्या बढ़ाउल जाएत। उद्घाटन समारोह क बाद इडेन कंपनी क प्रतिनिधि एहि बस क परिचालन स संबंधित जानकारी देलथि। ओ कहला जे निगम कए ट्रैफिक पुलिस क दिस स शहर मे बसक ठहराव क अनुमति भेट गेल अछि। ज्ञात हुए जे बिहार राज्य पथ परिवहन निगम क रिंग सेवा क बस शहर क 7टा रूट पर भोर 5 बजे स राति 11.30 बजे तक उपलब्ध रहत। एहि मे न्यूनतम किराया 5 टका आ अधिकतम किराया 10 टका राखल गेल अछि। शुरुआत नन एसी क 70 टा बस सभ रहल अछि मुदा बाद मे 8टा एसी बस सेहो सडक पर आउत। सबटा नन एसी बस मे 32टा सीट अछि। जखनकि एसी बस मे 38टा सीट होएत। इ बस 10 मिनट क अंतराल पर लोक कए भेटत।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments

2 टिप्पणी

  1. बहुत नीक । पटनावासीक चिरप्रतिक्षित मनोरथ पूरा भेल । नितीशजी केँ बहुत – बहुत बधाइ आ धन्यवाद ।

  2. उपरोक्त समाद जे केओ लिखलन्हि, हुनिका भाषा केर स्तर नीक रखबाक लेल सेहो धन्यवाद । कारण जे एहि बेर समाद पढ़बा मे ई नञि लागल जे ओ “हिन्दी समाचार” केर वस्तुतः अनुवाद हो ।

    ओना एहि “समाद” केँ शुरु कएनिहारि आ एखन धरि सतत अबाध रुपेँ प्रकाशित कएनिहारि सभ माए – बहिन लोकनि केँ कोटिशः धन्यवाद ।

Comments are closed.