होलीडे इन खोलत बिहार मे पांच सितारा होटल

hollydayआम्रपाली गु्रप कए भेटल ठेका, 2012 तक बन कए होएत तैयार
पटना। होलीडे इन ग्रुप पटना मे पहिल पांच सितारा होटल बनाउत। एकरा लेल सबटा कागजी तैयारी भ चुकल अछि आ इ होटल 2012 मे बनि कए तैयार भ जाइत। ज्ञात हुए जे पटना मे एखन धरि मौर्या या चाणक्या कए पांच सितारा होटलक दर्जा नहि भेट सकल अछि। बिहार सरकार पटना मे पांच सितारा होटल लेल निविदा आमंत्रित केने छल। आधारभूत संरचना विकास प्राधिकरण एहि योजना कए मंजूरी प्रदान करि देलक अछि। प्राधिकरणक पदाधिकारीक अनुसार एहि ठाम होटल बनेबा लेल हयात ग्रुप आ ताज ग्रुप सेहो निविदा भरने छलथि, मुदा किछु तकनीकी कारण स हुनका मंजूरी नहि भेट सकल। ओना होलीडे ग्रुप सबस बेसी निविदा मे राशि भरने छल। पदाधिकारीक अनुसार होलीडे ग्रुप सब महीना बिहार राज्य पर्यटन विकास निगम कए 2.25 करोड़ टका देत। एकर बदला मे निगम ओकरा 300 एकड़ जमीन देत। एहि योजना कए आब बिहार मंत्रिमंडल स मंजूरी भेटबाक इंतजार अछि। मंत्रिमंडल स मंजूरी भेटलाक बाद निगम आ होलीडे ग्रुपक बीच सहमति पत्र पर हस्ताक्षर होयत। होलीडे ग्रुप पटना मे होटलक निर्माण क जिम्मेदारी स्थानीय होटल समूह अम्रपाली कए देलक अछि, जे तीन साल मे इ होटल बना कए तैयार करत।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments