होमगार्ड कए भेटत 200 टका दैनिक भत्ता


पटना। नव वर्ष मे होमगार्ड कए बल्ले-बल्ले भ गेल अछि। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार होमगार्ड क दैनिक भत्ता कए 125 स बढ़ा कए 200 टका करबाक घोषणा केलथि अछि। संगे पहिने जखन होमगार्ड क ड्यूटी क दौरान मारल जाए पर परिजन कए पचास हजार टका मुआवजा देल जाएत छल, ओकरा बढ़ा कए एक लाख करि देल गेल अछि। हर थाना मे होमगार्ड क तैनाती क संग 11000 नव होमगार्ड की बहाली सेहो होएत। संगे विभाग मेे तृतीय आ चतुर्थ श्रेणी क बहाली मे होमगार्ड क लेल 50 फीसदी सीट आरक्षित कएल जाएत। मुख्यमंत्री स्पेशल बटालियन क प्रवर्तन परेड मे गृहरक्षक कए संबोधित करैत कहलथि जे आब हुनकर अन्य फोर्स क सामने शर्मिंदगी क सामना नहि करए पड़त।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments