हॉलीवुड अभिनेत्री लिंड्से लोहान बिहार दौरा पर

करतथि बिहार क तीनटा शहरक भ्रमण
पिछला तीन साल मे बढ विदेशी पाहुनक संख्या
पांडव क्रूज बढ़ेलक बिहार मे पाहुनक संख्या
ऑस्ट्रेलिया स लकए यूरोप आ अमेरिका आ साऊथ अफ्रीका तक से पहुंचल पाहुन
एसोचैम क रिपोर्ट मे भेल खुलासा
रिंकू झा

पटना । ओना त बिहार शुरू स पर्यटक आ खास क विदेशी पर्यटकक आकर्षण क केंद्र रहल अछि। मुदा पिछला एक-दशक मे कानून आ व्यवस्थाक खराब हालत आ खराब सड़क क कारण बिहार एबा स इ सब कतरा रहल छलथि। जहिना बिहार मे बदलावक खबरि हिनका लोकनि तक पहुचल तहिना हिनकर बिहार यात्राक कार्यक्रम तय भ गेल। एतबा धरि जे हॉलीवुड क चर्चित अभिनेत्री लिंडसे लोहान सेहो बिहार दौरे पर एबा स अपना कए नहि रोकि सकलीह। लिंडसे लोहान बिहार मे कईटा स्थलक भ्रमण करतथि। हालांकि हुनकर यात्राक संबंध मे सुरक्षा कारण स किछु खास नहि बताउल जा रहल अछि।
अधिकारिक कहब अछि जे सुरक्षा क कारण स हुनकर यात्राक विवरण आम नहि कैल जा रहल अछि। ओना सूत्र क अनुसार लोहान अपन बिहार दौरा क क्रम मे मुंगेर योग आश्रम सेहो जेतीह। एकर अलावा ओ बिहार क अन्य पर्यटन स्थल कए देखबा लेल जरूर जेतीह।

बॉलिवुड टू हॉलिवुड थीम क रिजल्ट छी इ –
इंडियन टूरिज्म मिनिस्टरी क स्टेट क सहायक महानिदेशक संजय श्री वत्स क कहब अछि जे इंडिया टूरिज्म बॉलिवुड टू हॉलिवुड क थीम तैयार केने छल। आइ लिंड्स लोहान क भारत दौरा एहि थीम क इफेक्ट छी। लिंडसे क बिहार दौरा न केवल बिहार पर्यटन लेल , बल्कि भारतीय पर्यटनक लेल सेहो बेहतर संदेश देत।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments