हेलीकॉप्टर स लैस होएत बिहार पुलिस

पटना । बिहार पुलिस पवनहंस कंपनी स उड़नखटोला किराया पर लेबाक तैयारी मे अछि। पुलिस मुख्यालय एहि दिशा मे काज शुरू करि देलक अछि। फिलहाल एकरा अंतिम रूप नहि देल जा सकल अछि, मुदा काज जारी अछि। पुलिस अपन जरूरत क मुताबिक कम स कम दस जवान कए लकए उड़ान जोकर हेलीकॉप्टर चाहैत अछि ताकि विपरीत परिस्थिति मे जवान कए कतहू पहुंचाउल या आनल जा सके।
पुलिस आधुनिकीकरण प्रोजेक्ट क तहत बिहार कए किराया पर हेलीकॉप्टर लेबाक प्रस्ताव केन्द्र देने अछि। फिलहाल भारत मे एक मात्र कंपनी पवनहंस लिमिटेड अछि जे पुलिस कए हेलीकॉप्टर उपलब्ध करा सकैत अछि। बिहार पुलिस क आला अधिकारी एहि दिशा मे काज कए रहल छथि। राज्य पुलिस मुख्यालय क मुताबिक बिहार कए केंद्र स 13.5 करोड़ टका हेलीकॉप्टर मद मे भेटत।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments