हेलीकॉप्टर स लैस होएत पर्यटन विभाग


पटना। बिहार मे पर्यटन कए बढ़ावा देबा लेल राज्य पर्यटन विभाग आब बिहार मे हेलीकॉप्टर क सेवा स लैस भ रहल अछि। एकरा लेल कईटा निजी विमानन कंपनी एहि मे रुचि देखेलक अछि। जल्द एकरा लेल निविदा क प्रक्रिया शुरू होएत। जेकर बाद पर्यटक तय किराया पर हेलीकॉप्टर क आंनद ल सकतथि। राज्य क पर्यटन मंत्री राम प्रवेश राय क कहब अछि जे राज्य मे पर्यटन कए बढ़ावा देबा लेल सरकार लगातार प्रयास करि रहल अछि। बोधगया, राजगीर, वैशाली, केशरिया, नालंदा, मुंडेश्वरी माता सहित कईटा अन्य पर्यटन स्थल क बीच हवाई सेवा शुरू कैल जाएत। एहि हवाई सेवा क जिम्मा कोनो निजी कंपनी कए देल जाएत। एहि स पहिने देश मे एहि तरह क सुविधा सरकार द्वारा वैष्णो देवी क अलावा किछु आओर जगह पर दैल जा रहल अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments