हुनक पढबाक इच्छा लिख देलक इतिहास

RMRमहारानी रामेश्वरी महिला महाविद्यालय क तीनटा पूर्वर्ती छात्रा सम्मानित
दरभंगा । महारानी रामेश्वरी महिला महाविद्यालय अर्थात एमआरएम कॉलेज मे एकटा नव तरहक समारोहक आयोजन कैल गेल। एहि समारोह मे कॉलेज क स्थापना वर्ष 1958 क तीनटा छात्रा कए सम्मानित कैल गेल। सम्मानित पूर्ववर्ती छात्रा मे छात्रा डॉ.मंजुला मिश्र सेहो छलीह जे एहि कॉलेज मे शिक्षिका क रूप मे सेहो कार्यरत छलथि आ सेवानिवृत भ अध्ययन मे लागल छथि। कहल जाइत अछि जे एहि कॉलेज क स्थापना में मंजुला मिश्र क पढबाक इच्छा क बहुत योगदान अछि। तिरहुत सरकार मे कानून मंत्री गिरिंद्र मोहन मिश्र क पोती मंजूला मिश्र कए पढबाक इच्छा कए देखैत डॉ कामेश्वर सिंह दरभंगा मे पहिल महिला कॉलेज क स्थापना कैलथि। एहि कॉलेज क स्थापना महारानी अधिरानी रामेश्वरी महिला स्कूल क परिसर मे कैल गेल, जेकरा बाद मे स्वतंत्र परिसर देल गेल। 1958 मे स्थापित महारानी रामेश्वरी महिला महाविद्यालय अर्थात एमआरएम कॉलेज उत्तर बिहारक पहिल महिला कॉलेज छी। स्थापना वर्ष मे मात्र पांचटा छात्रा दाखिला लेने छलथि। जाहि मे स तीनटा कए सम्मानित कैल गेल। एहि मौका पर डॉ.मंजुला मिश्र कॉलेज क उज्ज्वल भविष्य क कामना करैत महिला शिक्षा मे कॉलज क योगदान क प्रशंसा केलथि। मंजू मिश्र छात्रा कए मुफ्त मे कंप्यूटर शिक्षा देबाक वकालत केलथि। एहि मौका पर दूटा आर पूर्ववर्ती छात्रा कए सम्मानित कैल गेल, जाहि मे साहित्य अकादमी पुरस्कार स सम्मानित कामाख्या देवी सेहो छल्लथि ओ कहलथि जे बच्चा कए मातृभाषा मे शिक्षा भेटबाक चाही।
एहि मौका पर प्रसिद्ध समाजशास्त्री डॉ.गोपी रमण प्रसाद सिंह मिथिला मे महिला क उच्च शिक्षा क दशा आ दिशा पर अपन विचार रखलथि। कॉलेज क शिक्षिका डॉ.मीरा मिश्रा,डॉ.प्रीति झा, डॉ.सुधा चौधरी, डॉ.नीला झा तीनू पूर्ववर्ती छात्रा कए शॉल आ पुष्पगुच्छ स सम्मानित केलथि। एहि अवसर पर डॉ.पुतुल सिंह, डॉ.सती झा, प्रो.मंजुला सिन्हा, डॉ.कंचन माला ठाकुर, डॉ.एलके कर्ण, डॉ.जयश्री वर्मा, डॉ.पुनीता झा, रूपकला सिंह,डॉ. अजय झा, विद्या सागर मिश्र, पवन कुमार झा आदि उपस्थित छलथि।

इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, Hawai seva, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments

3 टिप्पणी

  1. Apan MPs san nivedan je parliament men o sab Maithili men bajaithi. Yadi O se nahi kartah, ta agila election men tarh juni houth. Aam janata ke bina sajag bhene, O sab nahi Mantah.

  2. Pachila 10 bars men kon kon sarkari project Mithila men complete bhel se janata ke samne aanu:

    Patrika sab men e ota hait- o ota hait, parhait parhait ankhi thaki gel achhi. Aab e batau je kon- kon project complete bhel achhi. Sarkark jhuth sapana dekhebak brast acharan aa prachar ke ninda hoibak chahi. Nitish ke pahil term men, mithila ke jahi sapna sab ke bare men, ahan batoune chhee, ohi men san kon- kon pura bhel achhi,, kripya se samad abashya likhu.

    Nitish k karya kalap ke review kenai, jounalist lokani ke kartabya thik.

  3. Bahut nik aa rochak samachar…….!!!!! shesh 2 chhatrak samman kiyaik nahi bhel, jigyasa rahat….

Comments are closed.