विकासक मुद्दा भटका रहल छथि राहुल: शाहनवाज


नई दिल्ली। भारतीय जनता पार्टी क प्रवक्ता शाहनवाज हुसैन कहलथि अछि जे राहुल गांधी चुनाव मे विकास मुद्दा नहि बनए, ताहि लेल विचारधारा क नाम पर जनता कए भटकेबाक कोशिश कए रहल छथि। हुसैन कहला जे गांधी कए पिछला लोकसभा चुनाव मे सफलता नहि भेटल आ एहि बेर सेहो हुनका कोनो सफलता नहि भेटए जा रहल अछि। दरअसल विचारधारा कए मुद्दा बना ओ जनता कए विकास क मुद्दा स दूर ल जेबाक कोशिश कए रहल छथि। आडवानीक प्रचार लेल स्थानक चयन मे जदयूक हस्तक्षेप पर हुसैन कहला जे एहन कोनो गप नहि अछि, आडवाणी जी ओहि स्थान पर सभा करि रहल छथि जाहि ठामक उम्मीदवार हुनकर सभाक मांग केलक अछि।
भाजपा सांसद सैयद शाहनवाज हुसैन कहला अछि जे बिहारक पांच सालक शासनक बाद भारतीय जनता पार्टी हिन्दू-मुस्लिम एकता क प्रतीक बनि चुकल अछि। एहि पार्टी पर जेतबा हक हिन्दू क अछि ओतबे मुसलमान कए सेहो। यदि एहन नहि रहिते त आइ अमौर स भाजपा प्रत्याशी सबा जफर नहि भ सकैत छलाह आ नहि हमरा सन लोक दिल्ली तक पहुंच सकितेे। ओ कहला जे विपक्षी सिर्फ हौवा ठार क मुसलमान कए भाजपा स डरा रहल छथि। ओ कहला जे कांग्रेस सरकार मे भागलपुर क दंगा भेल छल। मुदा भाजपा हुनका भागलपुर स सांसद उम्मीदवार बनेबा लेल चुनलक। हमरा हिन्दू आ मुसलमान दूनू भाई बराबर समर्थन देलथि। एहन परिस्थिति मे भाजपा कए साम्प्रदायिक पार्टी कहब सर्वथा गलत अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments