हार्डिंग पार्क क उपेक्षा स हाइकोर्ट तमसायल

पटना। पटना हाईकोर्ट हार्डिग पार्क (पटना) कए एखन धरि अत्याधुनिक पार्क क रूप मे विकसित नहि करबा पर घोर आपत्ति जाहिर केलक अछि। कोर्ट एहि मामला क सुनवाई 31 अक्टूबर कए निर्धारित केलक अछि। ओहि दिन नगर विकास विभाग क प्रधान सचिव आ बिहार अर्बन इंफ्रास्ट्रक्चर कारपोरेशन क प्रोजेक्ट मैनेजर कए कोर्ट मे उपस्थित रहबाक निर्देश देल गेल अछि। यैह कारपोरेशन क माध्यम स एहि पार्क क विकास कैल जा रहल अछि।
न्यायाधीश एसएन हुसैन क एकल पीठ हार्डिग मेमोरियल ट्रस्ट क याचिका पर सुनवाई क दौरान कहलक जे शहर क अनेक पार्क कए विकसित कैल जा रहल अछि मुदा पटना क हृदयस्थल पर स्थित सबस पूरान हार्डिग पार्क (नव प्रस्तावित नाम वीर कुंवर सिंह पार्क) कए विकसित नहि कैल जा रहल अछि।
ज्ञात हुए जे हार्डिंग पार्क पटना क सबस पूरान पार्क अछि आ एकरा दरभंगा क महाराजा रामेश्‍वर सिंह तखन बनबेने छलाह जखन लार्ड हार्डिंग पहिल बेर पटना आयल छलाह। कहल जाइत अछि जे लार्ड
हार्डिंग पटना मे पार्क नहि रहबा पर शहर क हंसी उडेने छलाह, एकर बाद रामेश्‍वर सिंह इ पार्क बना कए हुनका उपहार स्‍वरूप भेंट क देलथि। एहि पार्क क नाम पहिने अंग्रेज आ फेर राज्‍य सरकार अपन अपन स्‍वार्थ कए देखैत रखैत रहल। मुदा दरभंगा इ सनेस पटना स मिटेबाक कोशिश एखनो जारी अछि।
एहि पार्क कए विकसित करबाक योजना छह वर्ष स विचाराधीन अछि। राज्य सरकार विकास नहि क रहल अछि। एहि संबंध मे दायर एकटा अपील राज्‍य सरकार 2009 मे हारि चुकल अछि। कोर्ट क अनुसार स 2008 मे आदेश जारी कैल गेल छल जे नौ मास मे एकरा अत्याधुनिक पार्क क रुप मे विकसित कैल जाए। मुदा एखन धरि इ नहि भ सकल अछि।
कोर्ट सुनवाई क पिछला तिथि मे राज्य सरकार स कहने छल जे एहि ठाम स धरनास्थल हटाउल जाए। एहि पर सेहो जिम्मेदार संस्था दिस स एखन धरि कोनो संतोषजनक जवाब नहि भेटल अछि। कोर्ट क अनुसार एहि तमाम तथ्य स सरकार कए अवगत कराउल जाए।

maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments